NewsPopular

प्रसिद्ध चिकित्सक डा. सूर्यनारायण यादव : कोरोना संक्रमित

सप्तरी क्षेत्र नं. १ सँ समाजवादी पार्टीसँ निर्वाचित सांसद सूर्यनारायण यादवकेँ कोरोना संक्रमण ।

सप्तरी निर्वाचन क्षेत्र नं. १ सँ निर्वाचित डिमन निवासी प्रतिनिधि सभा सदस्य डा. सूर्यनारायण यादव कोरोना संक्रमित भेल छथि।६४ वर्षिय यादवक बेरसपति रातिके कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अछि।

बाल रोग विशेषज्ञ डा. यादव लम्बा समयसँ जनकपुरमे रहैत आएल छथि । जनकपुरमे हुनक निजी क्लिनिक संचालनमे अछि । ओ ८/९ दिन पहिने सामान्य देह-हात दुख’बला समस्या देखाएल मुदा अखन ओ स्वस्थ छथि से प्रतिक्रिया देने छथि।

View Also:रौतहटके प्रमुख जिला अधिकारीक रूपमे : यादवडाक्टरके लापरबाहीसँ एक बालिकाके मृत्यु

क्लिनिकमे उपचार कराब’ लेल आएल महोत्तरीक एक बालकके उपचारक क्रममे अपनाके कोरोना संक्रमण भेल हुनक आशंका अछि।गम्भिर अवस्थामे लाओल गेल बालकके झाड़ा पखाला आ निमोनियाक समस्या देखल गेल छल।

ओहि क्रममे कोरोना चेक करैत रिपोर्ट Positive एलाक बाद अपनाके ओहि दिनसँ आशंका रहल छल से यादवक कहब अछि ।

बालक कोरोना पुष्टि भेलाक तुरन्ते अपना सेहो स्वाब चेक कर' लेल देने छलाह ९ दिनपहिनेसँ होम आइसोलेसनमे बैसल छथि से ओ जानकारी देलथि।

Vidyanand Bedardi

Vidyanand Bedardi is Editor of Ilovemithila.com . Poet, Lyricist, Maithili Activist. he is from Rajbiraj, Saptari. विद्यानन्द वेदर्दी जी एहि वेबसाइटके सम्पादक छथि। Email - [email protected]

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Check Also
Close
Back to top button