Poem

मैथिली कविता ‘मैथिली’ : प्रो. डा. मनोरंजन झा

मैथिलीकेँ नहि बान्हियौ,
आशा, उषा आ निशाक दुपट्टामे
एकरा जाए दिऔ घसछिलनीक छिट्टामे
आ भिखमंगनीक बट्टामे
नइँ ! जँ एना कंठ मोकिक’ राखबै
मैथिलीकेँ झा जीकेर पानपर
मिसर जीक दलानपर
पाठक जीक मचानपर
आ चौधरी जीक खरिहानपर
तँ छिछियाक’ मैथिली
पड़ेतीह लहठा बथानपर
बगलेमे बहैत छथिन कोसी
ओहिमे फांगिक’ आत्महत्या क’ लेतीह !

Ad

तेँ कहैत छी जे
मैथिलीकेँ जाए दिऔ
लोहारक भट्ठी आ पासवान जीक मचानपर
कामत जीक ओसरा आ महतो जीक मचानपर
मौलवी साहेबक टोपी आ यादव जीक बथान पर
सीतामढ़ीक आंगन आ कटिहारक दलानपर.
भाषाक पानि जखन जड़िमे ढरेतै !
तखन मैथिलीक झण्डा अकासमे फहरेतै !

■        ■         ■

स्मृतिशेष डॉ. मनोरंजन झाक ई कवितांश हमर प्रिय रहल अछि, जे एखनहुँ सम्पपूर्णतामे प्रासांगिक अछि ।

किसलय कृष्ण

Guest Writer of I Love Mithila. Kislay Krishna is a famous anchor, lyricist & journalist of Maithili Industry

Related Articles

Leave a Reply