News

तत्काल परीक्षा शुरू नइँ करैलेल स्वास्थ्य मन्त्रालयके सुझाव

स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय कोरोना संक्रमण बढिरहल छै, तइँ तत्काल परीक्षा नइँ करबाक लेल सीसीएमसी आ शिक्षा मन्त्रालयकेँ सुझाव देने अछि ।

Ad

कक्षा १२ के परीक्षा साउन ३१ सँ सञ्चालन कर’ परीक्षा तालिका सार्वजनिक भ’ गेल अछि। स्वास्थ्य मन्त्रालय विज्ञसभसङ्ग बातविचार बाद परीक्षा सञ्चालन कएनाइ उपयुक्त हएत, सुझाव देलक। मृत्युदर १.५ आ संक्रमितके दर बढ़ि रहलासँ परीक्षा सञ्चालन नइँ करबाक लेल स्वास्थ्य मन्त्रालयके अड़ान छै ।

‘संक्रमण बढ़ि रहल छै एखन । ई अवस्थामे परीक्षा लेलासँ आओर बेसी दिक्कत हुअ सकै छै। से हमसभ सुझाव देने छियै,’ स्वास्थ्य सचिव डा. रोशन पाेखरेल कहलक ।

अइ विषयमे प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा आ स्वास्थ्य राज्यमन्त्री उमेश श्रेष्ठबीच बातबिचारसमेत भेल छलै। प्रधानमन्त्री देउवा सेहो अवस्था सामान्य भेलाक बाद आ ई उमेर समूह (२० वर्ष निच्चाके) युवा युवतीकेँ खोप लगेगाक बाद मात्रै परीक्षा सञ्चालन करैले उपयुक्त देखल बात श्रोत जानकारी देलक।

परीक्षा स्थगितके निर्णय राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डके कर’ परै छै ।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- Contact@ilovemithila.com,

Related Articles

Leave a Reply