News

संजीव पूनम मिश्रा अभिनीत फिल्म ‘मैथिली’ ZEE5 आ ZEE Biskope पर हएत प्रदर्शन

Ad

29 जनवरी 2023 के ZEE5 आ Zee Biscope द्वारा प्रतिभाशाली अभिनेता संजीव पूनम मिश्रा अभिनीत मैथिली भाषाक फिल्म ‘मैथिली’ के प्रीमियर हएत।

एकटा सशक्त संदेशके सङ्ग ई फिल्म मनोरञ्जनक पूरा पैकेज देत। बेटीके शिक्षा, महिला सशक्तिकरण आ पुरातन मानसिकता, रूढ़वादीकेँ तोड़ै पर केन्द्रित रहल अछि ।

सामाजिक दबावके कारण जे बेटी पढ़ाइक इच्छा रखै छथि ओकरा जल्दिये विवाह कऽ देल जाइत अछि।

ई विषधर, पुरान मानसिकता ओहि मासुम बेटीसँ सब किछु छिनि लेलक, ओहो गर्भवती भेलाक बाद। फिल्मके छोट आ रोमाञ्चक कथानक ट्रेलरमे सामने आयल अछि। जे मैथिली फिल्म प्रेमीकेँ प्रोत्साहित करैत अछि जे अइ रोमांचक फिल्मकेँ देखबाक अवसर नइ छोड़ल जाए।


हुनकासँ प्रेम कएनिहार पात्र संजीव पूनम मिश्र तखन ‘मैथिली’ सँ विवाह करऽ कए निर्णय करै छथि आ अपन माता-पिताक सङ्ग सङ्ग समाजके सेहो मनेबाक कोशिश करै छथि। मनोरञ्जन आ प्रेरणासँ भरल ई फिल्ममे प्रसिद्ध अभिनेता संजीव पूनम मिश्राक मेहनति आ प्रतिभाके प्रदर्शन कएल गेल छै।

मिश्रा बिहारमे जन्मल आ आगू बढ़ल एकटा प्रभावशाली, युवा आ मेहनती अभिनेता छथि। ओ अपनाकेँ भितरसँ चिन्हकऽ अभिनय पेशा चूज कएलनि।

हुनक पहिल फिल्म ‘दिल साला सनकी’ रहल अछि जइँमे प्रसिद्ध अभिनेता जिमी शेरगिल, शक्ति कपूर आ ऋषिता भट्ट शामिल छलनि। अइ लेल ओ २०१५ मे मुम्बई पहुँचल छलाह।

ओकर बाद जी 5 पर ‘ठंडी चाय’, अमेज़न प्राइम पर नो’ मोर’, ‘#Metoo’ आ MX Player पर ‘चिलम चौकी’ फिल्ममे अपन दमगर अभनिय प्रदर्शन कऽ चुकल छथि।

मिश्रा लगायत ‘मैथिली’ फिल्ममे मैथिली सङ्गीत आ सिनेमा क्षेत्रक सुपरस्टार अभिनेता एवं सङ्गीतज्ञ विकास झाक अभिनय रहल छथि।

उक्त फिल्मक गीतमे लाल बहादुर चौधरी ‘शास्त्री जी’ क गीति लेखन, अमन श्लोकक सङ्गीत, विश्वप्रसिद्ध गायक उदित नारायण झा लगायतक स्वर रहल अछि। फिल्मक छायांकन रवि चन्दन आ पवन चौधरी कएने छथि। ट्रांस वही मिडियाक बैनरतर बनल अछि आ आर्टवर्क क्रियेटिव आर्ट स्टूडियोक रहल अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles