
अखनधरि निर्वाचित प्रमुखक प्राप्त ई मत सबसँ बेसी..
Ad
सप्तरी जिलामे गीता चौधरी पहिल बेर महिला नगर प्रमुख बनल छथि। सुरुङ्गा नगरपालिकामे नेपाली कांग्रेसँ गीता चौधरी तीन हजार ७५ मत अन्तरसँ निर्वाचित होइत नगर प्रमुख बनली।
बहुत बेसी मत अन्तरसँ निर्वाचित चौधरी ७ हजार २ सय ९२ मत अनने छथि। सप्तरीमे अखनधरि निर्वाचित प्रमुखक प्राप्त ई मत सेहो सबसँ बेसी रहल अछि। अइसँ पहिने २०७४ मे नेपाल लोकतान्त्रिक फोरमसँ उम्मेदवार बननिहारि चौधरी तहिया २ हजार ७७४ मत लाबिक’ तेसर भेल छलनि।