अइ बितल रविदिन मधेस प्रदेश सरकारक मन्त्रिपरिषदक बैठकद्वारा घनघोर वर्षासँ भेल क्षति न्युनिकरण करबाक लेल बाढ़ि पिड़ितसभकेँ राहत तथा पुनःस्थापनाक लेल आठो जिल्लाकेँ एक/एक करोड रकम विनियोजन करबाक निर्णय कएल गेल अछि।
उक्त निर्णयक बारेमे मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह स्वयं जानकारी देने छथि।
मिथिला – मधेसमे बाढीसँ भेल सडकसभक क्षतिकेँ पुर्ननिर्माणक लेल भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्रालयकेँ तत्काल पाँच करोड रकम विनियोजन करबाक निर्णय कएल गेल अछि।
मुख्यमन्त्री सिंह, मन्त्रिपरिषदक बैठकसँ सम्पूर्ण दातृ निकायसबकेँ सहयोग एवं राहतक लेल खुल्ला आह्वान कएल गेल तथा प्रभावित क्षेत्रमे आवश्यक सहयोगक लेल आग्रह करबाक निर्णय भेल बतौलथि। मुख्यमन्त्री सिंहद्वारा मधेसक प्रभावित क्षेत्रमे आवश्यक स्वास्थ्य सेवा देबाक लेल सेहो सम्बन्धित निकायसबकेँ निर्देशन देल गेल बताओल गेल अछि।
मुख्यमन्त्री सिंह, देशभरिमे बाढ़िसँ आएल प्रकोपक कारण मधेस प्रदेश सेहो नइँ बँचल तथा आठो जिलासबमे समस्या भेल मुदा, सप्तरीमे कोशी नदीक कारण हनुमाननगर, कंकालिनी, रौतहटमे बागमती नदीक कारण राजदेवी नगरपालिका आ सर्लाहीमे बकैया तथा बागमती नदीक कारण बलरा नगरपालिकासहितक पालिकासभ अति प्रभावित भेल जानकारी समेत देलथि।