News

वर्षा आ बाढिसँ काठमाण्डु सहित देश भरि त्रसित

सप्तकोशी नदीक जलस्तर ५६ सालमे सबसँ बेसी अछि।

काठमाण्डू उपत्यकामे रिकार्ड तोड़ बरखासँ जान-मालके भारी क्षति भेल अछि।

Ad

काठमाण्डू, भक्तपुर आ ललितपुर तीन जिलामे कमसँ कम ३४ लोकक मृत्यु भऽ गेल आ १५ गोटे घायल भऽ गेलाह। पुलिस कहलक जे कुल ४८१ लोककेँ बचा लेल गेल अछि आ २१ गोटे लापता छथि।

हेटौडा आ काठमाण्डूकेँ जोड़एवला आधा दर्जन छोट सड़ककेँ अवरुद्ध कऽ देल गेल अछि।

त्रिभुवन राजमार्गक हेटौडा-पालुङ-नौबिसे सडक खण्ड विगत तीन दिनसँ निरन्तर वर्षाक कारण बाधित भेल अछि।

सप्तकोशी नदीक जलस्तर ५६ सालमे सबसँ बेसी अछि। कोशी बैरेज नियंत्रण कक्षक अनुसार, कोशी बैराजक माध्यमसँ सप्तकोशीक प्रवाह ६४३,५४० क्यूसेक प्रति सेकेण्ड छल, जकर माप आइ भोर ३:०० बजे नापल गेल छल।

अइसँ पहिने ५ अक्टूबर, १९६८ केँ कोशी बैराजसँ जलप्रवाहक उच्चतम स्तर ७८८,२०० क्यूसेक प्रति सेकेण्ड छल। शनि दिन राति १०.२५ बजे सप्तकोशीक जलस्तर ६,२०,००० क्यूसेक प्रति सेकेण्ड मापल गेल।

सरकार स्थानीय स्तरसँ आग्रह कएलक अछि जे रविदिनसँ स्कूलसभमे तीन दिनक छुट्टी घोषित कएल जाय।

शिक्षा, विज्ञान आ प्रविधी मन्त्रालय अनुसार, स्थानीय स्तरसभसँ आग्रह कयल गेल अछि जे शुक्रदिनसँ लगातार बरखा भेलासँ स्कूलक भवन क्षतिग्रस्त भऽ गेल अछि, छात्र आ अभिभावक बाढ़ि आ भूस्खलनसँ प्रभावित भेल अछि आ यातायात सेहो प्रभावित भेल अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles