KOSIYA Participation Form

कृपया ध्यानसँ सही सही जानकारी भरब। कोनो सहयोग लेल Click करू: WhatsApp , Call: 9816756034
KOSIYA Program Participation Form

Kosiya 3 Form

प्रतियोगितामे १२ कक्षाधरि विद्यार्थीसभ भाग ल' सकबै, अप्रतियोगी रूपमे कोनो विद्यार्थी भाग ल' सकै छी।

1. पुरा नाम । Full Name:
1. पुरा नाम । Full Name:
First
Last
4. ठेगाना । Address
6. प्रतियोगी वा अप्रतियोगी । Competitor or Non-Competitor
7. अइसँ पहिने कताै भाग लेने छियै? । Do You have Participated any Programs ?
8. अहाँसभ कतेक गोटे छियै ? । Single or Group
9. अपन रूचि टिक लगाउ। Choose Your Interest
10. ई कार्यक्रमके बारेमे कोना थाह लागल ? । How Did You Hear About This Program?

कोसिया कार्यक्रम –  पुछल जाए बाला प्रश्न (FAQ)

प्रश्न 1: कोसिया कार्यक्रम की छियै?

कोसिया कार्यक्रम एकटा दू दिनक विशिष्ट सांस्कृतिक कार्यक्रम अछि, जे छठ पर्वक अवसर पर आयोजित भऽ रहल अछि। एहिमे नृत्य, गान आओर विमर्श आयोजन होइत अछि, खास कऽ हनुमाननगर- सप्तरीक विद्यार्थीसभ लेल।

प्रश्न 2: कोसिया कार्यक्रम कतऽ आ कहिया होएत?

एहि कार्यक्रमक आयोजन २०८२ कार्तिक १० (सोमवार) केँ हनुमाननगर, सप्तरी मे होयत, छैठ पावैन समयमे।

प्रश्न 3: कोसिया कार्यक्रम मे के-के सहभागी बनि सकैत अछि?

एहि कार्यक्रम मुख्य रूप सँ हनुमाननगर नगरपालिका भरिके, सप्तरीक विद्यार्थीसभ लेल अछि, मुदा जे सब छैठ पावैन मानैबला आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आनंद लेय चाहैत छथि, ओ सभ सेहो शामिल भऽ सकैत छथि।

प्रश्न 4: कोसिया कार्यक्रम मे की-की होएत?

कार्यक्रम मे विमर्श, नृत्य,गीत, आ चर्चा होयत, जे सांस्कृतिक मूल्य, छैठ पर्वक परंपरा आओर समुदायक महत्व पर आधारित अछि।

प्रश्न 5: कोसिया कार्यक्रमकेँ के आयोजन कऽ रहल अछि?

एहि कार्यक्रम केँ I Love Mithila द्वारा कोसिया आयोजन समितिछठ पूजा समिति, हनुमाननगर, सप्तरीके सहयोगसँ आयोजित कएल गेल अछि।

प्रश्न 6: कोसिया कार्यक्रम विशेष किए अछि?

एहि कार्यक्रम छैठ पर्वक उत्सव मानैत, विद्यार्थी आ समुदायकेँ अपन प्रतिभा देखाबय, सांस्कृतिक धरोहर सिखय आ सप्तरीमे चेतना बढ़ाबय लेल अवसर दैत अछि।

प्रश्न 7: कोसिया कार्यक्रम मे सहभागी बनय लेल किछु शुल्क अछि?

कार्यक्रममे सहभागी बनय लेल शुल्क नइँ लेल जाएत। बाँकी अपडेट लेल प्रतीक्षा करू।

प्रश्न 8: कोसिया कार्यक्रममे सहभागी बनै आ योगदान देबाक कोना?

सहभागी बनय आ योगदान देबाक लेल कोसिया आयोजन समिति सँ संपर्क करू या I Love Mithila क सोशल मीडिया पेज पर अपडेट फॉलो करू।

प्रश्न 9: सहभागीसभ लेल की पुरस्कार देल जायत?

सहभागीसभ लेल पुरस्कारक जानकारी एखन अपडेट नइँ अछि, मुदा सामान्य रूपसँ एहने कार्यक्रममे प्रमाणपत्र आ पुरस्कार भेटत।

प्रश्न 10: कोसिया कार्यक्रमक बारे मे जानकारी कोना भेटत?

I Love MithilaKosiya 4 केर सोशल मीडिया पेज केँ फॉलो करू, जाहि पर नयाँ जानकारी आ घोषणाक अपडेट भेटत।