News

पढ़ाइ आ परीक्षा लेल टेलिभिजन खोलबाक तैयारी :

शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री गिरिराजमणि पोखरेल कोनो तहके शैक्षिक सत्र बेकार नइँ जाए जोग कार्यतालिका बनाएब बतेने छथि। अनेरास्ववियूक आयोजना कएल भर्चुअल अन्तक्र्रियामे आइ ओ कोभिड–१९ क कारणसँ पढाइ सञ्चालन नइँ भेलोपर पाठ्यभार घटाक’ पूर्वनिर्धारित समयावधि भित्तर शैक्षिक सत्र पूरा करब कहलथि।

वैकल्पिक सिखाइ सहजीकरण निर्देशिका परिमार्जन करैत तकरा सेहो मूल्याङ्कन आ परीक्षाक अभिन्न अङ्ग बनेबाक धारणा राखैत ओ वैकल्पिक सिखाइक लेल सरकार अन्तर्गत अलगे डेडिकेटेड शैक्षिक टेलिभिजन खोलबाक तैयारी क’ रहल से उल्लेख कएलथि।

हम व्यवस्थित वैकल्पिक शिक्षाक लेल प्रधानमन्त्रीजीक संग अलगे डेडिकेटेड शैक्षिक टेलिभिजन खोलबा प्रस्ताव कएने छी । प्रधानमन्त्री सेहो ओ बातके सकारात्मक लेने छथि”, मन्त्री पोखरेल कहलथि, “ओहेन टेलिभिजनसँ भोरके माध्यमिक तह, बेरियाके आधारभूत तह आ साँझके विश्वविद्यालय तहके सिखेबाक व्यवस्था मिलाओल जाएत ।”

कार्यक्रममे अनेरास्ववियूक संयोजक ऐन महर वैकल्पिक सिखाइकेँ सम्पूर्ण विद्यार्थीके पहुँचमे पहुँचेबाक धारणा राखलथि। अनेरास्ववियूक सह-संयोजक रञ्जित तामाङ कक्षा १२ के परीक्षा समन्धी अविलम्ब निर्णय कर’ लेल आग्रह कएलथि ।

Ad

विद्यार्थी नेता वैकल्पिक सिखाइक पुनरावलोकन कक’ थप प्रभावकारी बनाब’ पड़त,शैक्षिक सत्रकेँ जोगाब’ पड़त, अवरुद्ध परीक्षा वैकल्पिक विधिसँ सञ्चालन कर’ पड़त, कक्षा ११ मे नयाँ पाठ्यक्रम कार्यान्वयन कर’ पड़त लगायत विषयमे मन्त्री पोखरेलकेँ ध्यानाकर्षण कएने छलथि ।

विद्यानन्द वेदर्दी

Vidyanand Bedardi is Editor of Ilovemithila.com . Poet, Lyricist, Maithili Activist. he is from Rajbiraj, Saptari. विद्यानन्द वेदर्दी जी एहि वेबसाइटके सम्पादक छथि। मैथिली भाषा अभियानी छथि। हिनका "विशिष्ट अभियन्ता सम्मान" अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलनमे सम्मानित भेल छल। Email - [email protected]

Leave a Reply

Your email address will not be published.

Back to top button