News

विद्यापति पुरस्कार कोष कार्यविधिविपरीत भेलापर ज्ञापनपत्र प्रेषित

कोषमे दस वर्षक भीतर भेल सम्पूर्ण गड़बड़ीक छानबीन लेल उच्च स्तरीय समिति गठन

Ad

जनकपुरधाममे स्थापित सरकारी निकाय ‘ विद्यापति पुरस्कार कोष ‘ के कार्यविधिविपरीत भेल कामकाजक विरोध करैत मैथिली साहित्यकार सभाक अगुआइमे काल्हि केन्द्रीय संस्कृति मन्त्रीके सझिया ज्ञापनपत्र पठाओल गेल अछि।

ज्ञापनपत्रमे कोषमे दस वर्षक भीतर भेल सम्पूर्ण गडबडीक छानबीनक लेल उच्च स्तरीय छानबीन समितिक गठन, कार्यविधिविपरीत नियुक्त भेल पदाधिकारीसभक नियुक्ति बदर, कार्यविधिविपरीत घोषित पुरस्कारसभक निर्णय संशोधन,आ. ब. २०६८/०६९ सँ हालधरिक कोषक ले. प. प्रतिवेदनक प्रतिलिपि आ विभाजित कला – संस्कृति पुरस्कारके साबिकबनोजिम कायम करबाक माङ पेश कएल गेल अछि ।उक्त ज्ञापनपत्र विद्यापति पुरस्कार कोषक अध्यक्ष, संस्कृति मन्त्रालयक सचिव आ प्रधानमन्त्री कार्यालयसमेतके बोधार्थ कएल गेल अछि।

       धनुषा जिलाक प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत पठाओल गेल ओहि पत्रमे मैथिली साहित्यकार सभाक सभापाल प्रेम विदेह ललन,कार्यपाल अरविन्द कुमार यादव, मिथिला नाट्यकला परिषद्क अध्यक्ष परमेश झा,मधेश प्रदेश चलचित्र बोर्डक सदस्य वैद्यनाथ पटेल, मैथिली चलचित्र कलाकार संघक अध्यक्ष कमल मण्डल,रंगवाटिका नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र भगत नागवंशी आ अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद्क उपाध्यक्ष राजेश्वर नेपालीक हस्ताक्षर रहल अछि। ज्ञापनपत्र देबए गेल प्रतिनिधि मण्डलमे सभाक सभापाल प्रेम विदेह ललन,कार्यपाल अरविन्द कुमार यादव आ मिथिला नाट्यकला परिषद्क महासचिव शैलेन्द्र मल्लिक छलाह।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply