
प्रहरीसभ जाली नोट कारोबारी इल्ताफ हुसेन अन्सारीकेँ पक्राउ कएलक । जिला प्रहरी कार्यालय, पर्सा हिनका पक्राउ कएने अछि।
प्रहरी उच्च स्रोतसँ अन्सारी पक्राउ पड़ल से पुष्टि कएने छथि।
अन्सारी पछिला चरणमे १५ किलो सोनाचाँनीक प्रकरणमे पड़ल छलथि। प्रकरणमे प्रयोग भेल बा ६ च ५५११ नम्बरक स्कोर्पियो गाडी हिनके रहल अछि।
काठमाडूक कमलपोखरीसँ अन्सारीक गाडीकेँ प्रहरी पाछु केलाक बाद सोनाचानी भेल झोरा फेकिक’ स्कार्पियोसँ भागल छलथि। तइँ महानगरीय अपराध महाशाखा आ काठमाडू प्रहरी परिसर, टेकु हुनका खोजी करबाक लेल चालु रहल छल।
view Also: पूर्व क्रिकेटरकेँ कोरोना संक्रमण
के छथि तँ अन्सारी ?
बाराक प्रस्टोखा–२, हरपुरक अन्सारी प्रायः वीरगञ्जमे रहल करैत छथि। ओ स्वयंके पेट्रोल पम्प सञ्चालकके रूपमे चिन्हबैत छथि।
ओ २८ असार २०६८ सालमे बरामद भेल ५४ लाख ९५ हजार नक्कली भारतीय रुपैयाँक मुख्य कारोबारी छलाह।
घटनाक बाद फरार हुनका प्रहरीक केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो (सीआईबी) २०७२ जेठमे पक्राउ कएने छल । पछिला बेर ७ करोड ६७ लाख ९४ हजार भारतीय नक्कली नोटसहित पकड़ल गेल युनुस अन्सारी सङ्ग सेहो हुनक निकट सम्बन्ध अछि।
view Also: महामारीक कारण नइँ अछि तामझाम- कृष्ण जन्माष्टमी
युनुसबाद नेपालमे नक्कली भारतीय नोट कारोबार करनिहार व्यक्ति इहए छलाह । प्रारम्भमे युनुसक समूहमे भेलोपर पछिला बेर ओ अपने समूह सञ्चालन करैत छलथि।
view Also: मुख्यमन्त्री राउत सब प्रति आक्रामक किए ?
अन्सारी पाकिस्तान आ भारत दूनु देशक लेल सूचना दैबला व्यक्ति सेहो छथि । हुनका प्रहरी अधिकृतसभ ‘डबल एजेन्ट’क रुपमे चिन्हैत छथि।
अन्सारी हरेक अपराधमे फरक-फरक नाम बताक’ संलग्न भेल करैत छथि।