भारत सभसँ बेसी कोरोनाभाइरसक संक्रमित भेल संसारक दोसर मुलुक बनल अछि। भारत सरकार भूमिगत रेल सेवा शुरू कएल दिन दक्षिण अमेरिकी मुलुक ब्राजिलके पछाड़ैत भारत सर्वाधिक संक्रमित भेल दोसर देशक रूपमे भेल अछि। भारतसँ आगू अमेरिका अछि।
नरेन्द्र मोदी सरकार निरन्तर घटि रहल अर्थतन्त्रकेँ चलायमान बनाब’ लेल एहिसँ पहिने लगाओल गेल सम्पूर्ण प्रतिबन्ध खोलबैत गेल भारतमे कोरोनाक संक्रमण घटबाक कोनो संकेत देखल नइँ गेल अछि।
संसारक दोसर बेसी जनसंख्या भेल भारतमे सोमदिन मात्र ९० हजारसँ बेसी संक्रमित जोड़ाएल अछि। भारतमे अखन संक्रमितक संख्या ४२ लाख नाङ्गघने अछि। जे की ब्राजिलसँ ६८ हजार बेसी अछि। यद्यपी ब्राजिलक नयाँ संक्रमितक संख्या किछु घन्टाबाद मात्र अपडेट होएत।
अखनक दरमे संक्रमण बढैत जाएत तँ भारत दोसर मासमे अमेरिकाकेँ सेहो पछाड़ि सकबाक सम्भावना रहल विज्ञसभ बतेने छथि। अमेरिकामे अखन ६४ लाख ६४ हजारसँ बेसी संक्रमित अछि। अमेरिकामे पछिलाँ समय संक्रमण किछू घटल अछि। भारतमे अगस्ट मासभरि निरन्तर उपर मुहे बढि रहल संक्रमणक ग्राफ अखन घटल नइँ अछि।
भारतमे शुरूमे नयाँदिल्ली आ मुम्बईजकाँ बढ़का शहरसँ संक्रमण फैल’ शुरू भेल छल। अखन मुदा कोरोनाक संक्रमण ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो फैल गेल अछि।
अखन तँ ई दुनू दिससँ समस्या बनल अछि,’ दिल्लीक जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालयक प्राध्यापक राजीव दास गुप्ता समाचार संस्था रोयटर्स संग कहने छथि ,’एक दिस सहरी क्षेत्रमे संक्रमण घटल नइँ अछि मुदा ग्रामीण भेगमा बढिए रहल अछि।’