युरोपमे इस्लामक लेल कोनो जगह नइँ कहने जियोर्जीआ मेलोनीक पुरनका भाषण भाइरल भऽ रहल अछि जाहिमे ओ कहने छथि जे इटलीमे शरिया कानून लागू नइँ होबए देब।
दक्षिणी युरोपीय मुलुक इटलीमे पहिल महिला प्रधानमन्त्री बनल ४६ वर्षीया मेलोनी १५ वर्षक उमेरसँ राजनीतिमे लागल छथिन। रोममे जन्मल मेलोनीकेँ हुनकर माए असगरे पालन-पोषण कएने छनि। मात्रे २१ वर्षक उमेरमे ई पहिल स्थानीय चुनाव जितने रहथि आ ३१ वर्षक उमेरमे इटलीक मन्त्री सेहो भेल रहथि। सन् २००८ मे मेलोनी ‘सिल्भिओ बुर्लोस्कोनी’क सरकारमे युवा मन्त्री बनल रहथिन्ह। ओकर चारि साल बाद अर्थात २०१२मे ‘ब्रदर्स अफ इटली’ पार्टी गठन कएने मेलोनी अंग्रेजी, स्पेनिश एवं फ्रेन्च भाषा नीकसँ बजै छथि।
आइकाइल सोशल मीडियापर हिनकर एकटा पुरनका बयान भाइरल भऽ रहल अछि। जाहिमे, ८ फरवरी २०१८ मे मीडियासँ बात करैत कहने छथि जे यूरोपमे इस्लाम धर्मक लेल कोनो जगह नइँ छै। किए की इस्लाम आ यूरोपक कल्चर एक-दोसरसँ एकदमे फरक अछि। हमर सभक सभ्यता-संस्कृति आ ओकर सभक सभ्यता-संस्कृतिमे बहुत फर्क छै। इटालियन भाषामे देल गेल ओहि वक्तव्यमे मेलोनी इहो कहने छथि जे ओ इटलीमे कहिओ शरिया कानून लागू नइँ करतीह।
पुरनका भाषणमे मेलोनी सउदीके सेहो आलोचना कएने छथि। सउदी अरबमे लागू शरिया कानूनक आलोचना करैत कहैत छथि जे, ओहि ठाम व्यभिचार करैत पकएल गेला पर लोकसभ पत्थरसँ मारि दैत छै। होमोसेक्शुअलिटीक लेल मृत्यु दण्डके सजा देल जाइछ। हमरा लगैत अछि जे एहिसभमे सुधार होएबाक चाही।
प्रधानमन्त्री मेलोनी कहैत छथि जे ओ इस्लामकेँ एकटा बनावटी चश्मासँ नइँ देख रहल छथि। बल्की, इस्लाममे जे समस्या एवं जटिलतासभ छै, ओ मात्रे ओहिके बारेमे बात कऽ रहल छथि। दोसर तरफ किछु लोक हुनकापर इस्लामोफोबिक छथि से आरोप लगबैत अछि। मुदा ओ एहि बातसँ परहेज करैत अपन छवि सुधारमे सेहो लागल बुझाइ छै।
श्रोत: सोसल मीडिया