Entertainment

नितिन चन्द्राके Jackson Halt प्रोमोशन जनकपुरमे

Jackson Halt Maithili Movie Promotion Show in Janakpur

मैथिली फिल्म ‘जैक्सन हाल्ट [Jackson Halt]’ निर्देशक नितिन चंद्रा आइ जनकपुरमे पत्रकार सम्मेलन कएने छथि। जनकपुरधामक गिरिजा चलचित्र मंदिरमे आयोजन कएल गेल साक्षात्कार कार्यक्रममे निर्देशक आ अभिनेता दूनू गोटे बहुत सहज रुपमे उपस्थित पत्रकार सभहक प्रश्न सबके जवाब देलथि। फिल्म 5 May के bejod.in OTT पर अनलाइन रिलिज हेत।

Ad

निर्देशकक मातृभाषा भोजपुरी छै मुदा वो बिहारक तिनटा प्रमुख भाषा मैथिली, भोजपुरी, आ मगहीमे प्रमुखतासँ काज करैत रहब से कहलन्हि। वो अखन धैर भोजपुरीमे “देशवा“, तहिना मैथिलीमे “मिथिला मखान” जेहन सफल फिल्म बनाकऽ अपन फिल्म निर्देशकिय क्षमता आ दक्षताके परिचय निकसँ दऽ देने छथि, हिनका द्वारा बनाएल गेल मैथिली फ़िल्म मिथिला मखानकेँ भारतमे राष्ट्रीय पुरस्कारसँ सम्मानित कैल गेल छै। निर्देशक चन्द्रा मगही भाषामे सेहो जल्दीए एकटा फिल्म लऽकऽ आबि रहल छथि।

एखुनका समयमे बिहारक बहुत रास निर्देशक आ कलाकार सब हिन्दी फिल्म आ टि.भी. सिरियल सबमे काज कऽकऽ लाखों-करोडों दाम-नाम कमा रहल अवस्थामे निर्देशक चंद्रा भोजपुरी आ मैथिली भाषामे बेसी सँ बेसी काज करैत रहब कहलनि।

Related Articles

तहिना अभिनेता निश्चल अभिषेक सेहो अपन मातृभाषा मैथिलीमे निर्देशक नितिन चंद्रा सङ्ग काज करैत बहुत नीक लागि रहल बतौलनि, तथा मैथिलीमे एहिना निक-निक आ चैलेंजिंग भुमिका निभाब लेल हरदम तैयार छी, से कहलनि।

Trail Review

फिल्मक ट्रेलर लॉन्च आ प्रोमोसनल वोहि कार्यक्रममे अभिनेता आ साहित्यकार रमेश रंजन, संगीतकार सुनिल मल्लिक, संचारकर्मी धनश्याम मिश्र अपन अपन शब्द सबमे निर्माता तथा निर्देशक नितिन चंद्राक मैथिली भाषामे फिल्म बनएबाक कदमके बहुत सराहना कएलथि तथा जैक्सन हाल्ट फिल्म मैथिली फ़िल्म जगतकेँ लेल आ गुन स्तरीयताके लेल हरक तरहसँ एकटा ट्रेड मार्क भऽ जाईत कहलनि, आ हमरा मैथिली भाषी सब निर्माता निर्देशक नितिन चंद्रासँ सिख आ संज्ञान लि अपन मातृभाषा मैथिलीक लेल से आग्रह सेहो कएलनि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - Contact@ilovemithila.com, +9779827625706

Related Articles