Articles

मैथिली सिनेमाक रेलगाड़ी पहुँचत “Jackson Halt” पर : किसलय कृष्ण

Jackson Halt Maithili Movie

आ आहिस्ते-आहिस्ते मैथिली सिनेमाइ परिदृश्यक छुक-छुक करैत रेलगाड़ी आगू बढ़ि रहल अछि । अपन छह दशकक नम्हर यात्रामे विगत दशकसँ एहिमे किछु गति सेहो बढ़ल अछि आ से किछु सकारात्मकताक संग । मिथिला मखान‘क राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार सँ सम्मानित हैब, लव यू दुल्हिन‘क मल्टीप्लेक्स पहुँचब , गामक घर’क मामी फेस्टिवल, धुइन’क कान फेस्टिवल आ लोटस ब्लूम्स’क इफ्फी धरिक यात्रा मैथिली सिनेमाक गाड़ी’क बढ़ैत गति दिसि ध्यानाकर्षण करबैत आबि रहल अछि ।

Ad

एहि बीच लव यू दुल्हिन आ मैथिली नाम्ना दुइ गोट मैथिली फिल्म जी ग्रूपक विभिन्न चैनल होइत Zee5 ओटीटी धरि पहुँचि मैथिली सिनेमाक उपस्थिति दर्ज करबा रहल अछि आ ई सभ प्रक्रिया एकटा सार्थक भरोस तँ अवस्से दैत अछि मैथिली भाषायी फिल्मक मादे ।
पछिला दशकक पूर्वार्द्ध मे एकटा सकारात्मक सोच संग मैथिली फिल्मक परिदृश्य मे आगमन भेल प्रयोगधर्मी ओ कल्पनाशील फिल्मकार नितिन नीरा चन्द्रा केर ! ओ एहि सँ पूर्व अपन मातृभाषा भोजपुरी मे “देसवा” नामक सार्थक सिनेमा बना चुकल छलाह । मैथिली मे तन्मयताक संग “मिथिला मखान” नामक फिल्म बनबैत एहि भाषा केँ राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार सँ सम्मानित होयबाक गौरव प्रदान कयलन्हि ।

चम्पारण टाकिज नामक अपन कम्पनीसँ नितीन निरन्तर बिहारक भाषायी सिनेमा केँ नव स्वरूप देबा लेल सक्रिय छथि आ एहिक्रम मे विभिन्न म्यूजिक विडिओ, लघुफिल्म आदिक निर्माण करैत आबि रहल छथि । बन्द पड़ैत सिंगल थियेटर आ कोरोनाप्रलयजन्य स्थिति मे बढ़ैत ओटीटी’क लोकप्रियता देखि ‘बेजोड़‘ नामक प्लेटफार्म सेहो तैयार कयलन्हि , जाहि पर देसवा, मिथिला मखान सहित हिनका द्वारा निर्मित विभिन्न महत्वपूर्ण ओ सार्थक काज उपलब्ध अछि ।

Related Articles

Jackson Halt Maithili Movie ( जैक्सन हाल्ट )

[जॅक्सन हॉल्ट] निर्देशक नितिन भोजपुरी भाषी रहितो मैथिली प्रति अपेक्षाकृत बेसी संवेदनशील रहलाह अछि । लघुफिल्म ‘ससपेक्ट’ , बंगला’क कालजयी फिल्म “पथेर पांचाली‘, अपराजिता”क मैथिली मे डब्ड संस्करण सहित छठि/दीयाबाती , झिझिया आदि पर केन्द्रित हिनक काज सराहनीय रहल अछि । एक बेर पुन: डेग झटकारैत अपन दोसर मैथिली फीचर फिल्म “जॅक्सन हॉल्ट” ल’ कय आबि रहल छथि । नितिन चन्द्रा केर खास बात ई अछि, जे सिनेमाक संदर्भ मे प्री-प्रोडक्शन’क मेहनति जमिकय करैत छथि आ से पटकथा सँ ल’ कय पात्र-चयन धरिक लेल ।

इएह कारण थिक जे हिनक प्रोजेक्ट मे उपस्थापित अभिनेता/अभिनेत्री अदाकारी मे माँजल रहबाक संगहि परिचयक मोंहताज नहि रहैत छन्हि । संगहि संवाद सँ ल’ कय कलाकार’क चयन मे सेहो मिथिलाक समग्रता परिलक्षित भेल करैत अछि हिनक फिल्म मे, जे मैथिली फिल्मक समग्र मिथिला मे स्वीकार्यता लेल आवश्यक तथ्य अछि ।

आबयवला महत्वपूर्ण फिल्म ‘जॅक्सन हॉल्ट’ मे राष्ट्रपति नाट्य विद्यालय सँ प्रशिक्षित अभिनेता रामबहादुर रेणु (सुपौल), दुर्गेश कुमार (दरभंगा) आ अनुभवी मॉडल  निश्चल अभिषेक (सीतामढ़ी) सहित रंगकर्मी शिवानी आदिक चयन हिनक सिनेमाइ दूरदर्शिता केँ देखबैत अछि ।

Jackson Halt : Shooting

संयोग कहू जे एहि फिल्मक छायांकन अवधि मे हमरा मधुबनीक उगना हॉल्ट  स्टेशन ल’ग बनल फिल्मक सेट पर जयबाक अवसर भेटल छल आ रेलवे कन्ट्रोल रूम’क बनल सेटक महीनी आ तात्कालीनता (पिरियड एपियरेन्स) दूखि चमत्कृत भेल रही । मर्डर मिस्ट्री पर आधारित एहि महत्वपूर्ण फिल्मक पहिल टीजर दूइ दिन पहिनहिं यूट्यूब’क बेजोड़ चैनल पर सार्वजनिक भेल अछि, जे सहजहिं सिनेमाक प्रति आकर्षण उत्पन्न करैत अछि ।

विश्वास अछि जे सम्पूर्ण फिल्म मिथिलावासी दर्शक लेल मीलक पाथर सिद्ध हैत आ  जॅक्सन हॉल्ट पर पहुँचिकय मैथिली सिनेमाक रेलगाड़ी तीव्रगति दिसि अग्रसर भ’ सकत । एखन एतबे…

किसलय कृष्ण

Guest Writer of I Love Mithila. Kislay Krishna is a famous anchor, lyricist & journalist of Maithili Industry

Related Articles