News

जकपुरधाममे ११ फागुनसँ साहित्य महोत्सवक आयोजन हएत

फागुन ११ गते सँ ‘जनकपुर साहित्य महोत्सव’ होब’ लागल अछि । जनकपुरधाममे नव मिथिला फाउण्डेसनके आयोजना आ फ्याक्ट्स नेपालके संयुक्त आयोजनामे चारिम संस्करणक तीन दिवसीय ‘जनकपुर साहित्य महोत्सव’ होब’ लागल अछि।

Ad

नव मिथिला फाउण्डेशनक  उपाध्यक्ष आदित्य नेपालके अनुसार महोत्सवमे साहित्य, संगीत, सिनेमा, संस्कृति, पहिचान, समाज आ राजनीतिसम्बन्धी विभिन्न २० टा ओपन–एयर प्यानल छलफल हएत ।

जाहिमे ‘समावेशिता दिंस ‘परिकल्पना आ अभ्यास’, ‘अपन समाजके घुइरक तकलापर’ आ घेघ बनल घोघ’ विषयमे बहस हएत ।

तेहने युवा तरफ ‘संस्कार आ परिष्कार’, ‘शहीद दिलिप महतोके मोन पाड़ैत’, ‘सञ्जालके बवाल’, राजनीति तरफ अभियान आ अवसर’, ‘सम्झनामा प्रदीप दाइ’, ‘हामीले गुमाएको खेलकुद’ लगायत विभिन्न अन्य विधा सबके समेटैत २० टा सँ बेसी सत्रसब रहत से फाउण्डेसनके उपाध्यक्ष नेपाल जानकारी देलनि।

आयोजक पत्रकार सम्मेलन क’क’ महोत्सवक तालिका सार्वजनिक कएने अछि । देशभरिसँ राजनीतिज्ञ, कलाकार, संगीतकार, लेखक, विद्यार्थी लगायतके सहभागिता रहत । महोत्सवक उद्घाटन फागुन ११ गते बेरीया २ः३० बजे सँ जानकी मन्दिर परिसरमे हएत।

उद्घाटन नेपालक प्रथम राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव आ विशेष अतिथि मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव करताह से आयोजकसँ जानकारी भेटल अछि।

पत्रकार सम्मेलनमे आयोजकके तरफसँ प्रियंका झा, सरोज मिश्र, अमित झा, मो. रियाज साफी लगायतक उपस्थिति रहल छल।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles