
ठाकुर समुहके नवका पार्टीक नाम जसपा (लोकतान्त्रीक) आ चुनाव चिन्ह साइकल
माधवकुमार नेपाल समूह राजनीतिक दलसम्बन्धी अध्यादेश एलाबाद नवका दल दर्ता करबाक तैयारी ।
महन्थ ठाकुर, राजेन्द्र महतो समूह अध्यादेश जारी भेलाक लगले पार्टी दर्ता कराबऽ कए अन्तिम तैयारी कएने छथि।
ठाकुर निकट श्रोतके अनुसार, अइसँ पहिने अध्यादेश लाबऽवला सरकारक निर्णयकेँ स्वागत कएलाक कारण राष्ट्रिपतिद्वारा जारी भेलाक लगले निर्वाचन आयोगमे पार्टी दर्ता करि आन्तरिक तैयारी पूरा भेल छै।
ठाकुर महतो समुहले दर्ता गराउन लागिएको नयाँ पार्टीको नाम जसपा (लोकतान्त्रीक) रहत जनाओल गेल अछि । तहिना, नवका पार्टीक चुनाव चिन्ह साइकल रखबाक निर्णय भेल अछि जनाओल गेल अछि।
तहिना, नेकपा एमालेके वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल समूह राजनीतिक दलसम्बन्धी अध्यादेश एला सङ्गे नवका दल दर्ता कराओल जाएत।
सरकार संसदीय दल वा केन्द्रीय समितिक २० प्रतिशत पहुँचाकऽ दल विभाजन करऽ सकऽ जोग अध्यादेश मंगल दिन राष्ट्रपति समक्ष सिफारिश कएल गेल अछि। तइयो राष्ट्रपति प्रमाणीकरण करऽ कए बाँकी छै ।
राष्ट्रपति अध्यादेश जारी कएलाक लगले नवका दल दर्ता करऽ कए तैयारी भऽ रहल नेपाल समूहक एक केन्द्रीय सदस्य जानकारी देलनि । ‘५७ गोटे केन्द्रीय सदस्यक हस्ताक्षर संकलन भऽ चुकल अछि । आइ थप किछु साथीसब सेहो आओत,’ ओ कहलनि, ‘अध्यादेश एलाबाद हमसब दल दर्ता करब।’
नेतासबहकक अनुसार नवका दलक नाम नेकपा एमाले समाजवादी राखबाक तैयारी भेल अछि। आओर किछु नाम सेहो विकल्पमे छलफल भऽ रहल कहैत ओ केन्द्रीय सदस्यसब कहै छथि, नेकपा एमाले समाजवादीये फाइनल हएत।’
नवका दलक अध्यक्षमे माधवकुमार नेपाल नइँ रहत तँ आओर पदाधिकारी विषयमे गन्थन-मन्थन नइँ भेल छै ।