News
Trending

उपेन्द्र यादव पक्षकेँ निर्वाचन आयोग आधिकारिकता देलक

उपेन्द्र यादव पक्षमे केन्द्रीय कार्यकारिणी समितिके बहुमत सदस्य भेलाक कारण आयोग यादवेकेँ आधिकारिकता देलक सोमदिन निर्वाचन आयोग पहुँचल जसपाक एक नेता बतौलनि।

Ad

जसपाक अध्यक्षद्वय यादव आओर महन्थ ठाकुर पक्षबीच आधिकारिकता सम्बन्धी विवाद भेलापर निर्वाचन आयोग केन्द्रीय कार्यकारिणी समितिक सदस्यसबकेँ आयोगेमे बजाकऽ के ककर पक्षमे कहिकऽ सनाखत करेने छल ।

५१ सदस्यीय कार्यकारिणी समितिमे ३४ गोटे उपेन्द्र यादव पक्षमे छै, कहि हस्ताक्षर कएने छथि । तहिना महन्थ ठाकुर पक्षमे १६ गोटे हस्ताक्षर कएने छथि ।

टीकापुर हत्याकाण्डमे दोषी ठहर भकऽ जेल-जीवन काँटि रहल रेशम चौधरी सेहो सोमदिन आयोगमे उपस्थित भेल छल मुदा ओ उपेन्द्र यादव आ महन्थ ठाकुर दुनू पक्षमे हस्ताक्षर नइँ ककऽ तटस्थ बैठल छथि।

आयोग यादव पक्षकेँ आधिकारिकता देबाक निर्णय कएलापर दोसर पक्षकेँ नयाँ नाम आ नयाँ चुनाव चिह्नसहित आबऽ लेल निर्वाचन आयोग मौका देने अछि।

२०७७ अखाड़ २४ गते निर्वाचन आयोगमे दर्ता भेल जसपामे पछिलाँ समय आधिकारिकताक विषयकेँ लकऽ अध्यक्षद्वय महन्थ ठाकुर आ उपेन्द्र यादव पक्षबीच विवाद चलि रहल छै ।

जसपाके आधिकारिकता विवाद समाधान करऽ आयोग प्रमुख निर्वाचन आयुक्त दिनेश कुमार थपलियाके नेतृत्वमे पाँच सदस्यीय इजलास गठन कएने छथि । उक्त इजलास केन्द्रीय कार्यकारिणी सदस्य स्वयं उपस्थित भकऽ सनाखत करऽ पड़त देखल गेल कहैत साओन ११ गते भोर ११ बजे आयोगमे उपस्थित हुअ एहि साओन ७ गते आदेश देने छल।

तेकरविरुद्ध ठाकुर निर्वाचन आयोग आ दोसर अध्यक्ष यादवकेँ विपक्षी बनाकऽ एहि साओन ८ गते सर्वोच्च अदालतमे रिट दायर कएने छलाह। ओ रिटमे अन्तरिम आदेश देबऽ सर्वोच्च अस्वीकार कएने अछि । सर्वोच्च साओन १५ गते विपक्षीकेँ गन्थन-मन्थनक लेल बजाबऽ रविदिन आदेश देने छलै ।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply