गायक गजुरेलक फरक शैलीक गीतसब ब्याक टू ब्याक चर्चामे…
” आउन सक्छौँ तिमी
दुई मुटु एकै धड्कन
बन्न सक्छौँ हामी
सुख दु:ख सङ्गसङ्गै काटौँला
हासोआसु सङ्गसङ्गै बाँडौँला
सानै होला संसार तर रमाउँला “
सुमधुर शैलीमे तैयार कएल गेल गीत गायनमे लोकप्रिय गायक नितिन गजुरेलकेँ नेपाली सङ्गीत उद्योगक चर्चित गायिका अस्मिता अधिकारी स्वरमे सङ्ग देने छथि। मुनाल शिशिर कोइरालाक शब्द आ राजेश थापाक सङ्गीत रहल गीतक भिडियोमे बलात्कार विरुद्धक सन्देश समटल गेल अछि। भिडियोमे बलात्कार जघन्य अपराध छियै। बलात्कृत नारी सेहो आत्मसम्मान आ स्वाभिमानक सङ्ग खूलिक’ जीब’ पएबाक चाही। बलात्कारक पिड़ा बलात्कारी नइँ भक’ स्वयं बलात्कृत नारी भोगैत छथि कहिक’ समेत देखाएल गेल अछि। उक्त भिडियोमे विजु पार्की आ सुनिशा बजाजक मुख्य अभिनय रहल अछि। कथा मार्फत सब बलात्कृत महिलाकेँ देखबाक अपन सोच बदल’ सकब त समाज अपने बदलत से बुझेबाक प्रयास कएल गेल अछि।
भिडियोमे बाल-कलाकार ईशब घिमिरेक समेत अभिनय रहल अछि । सफल मोसन पिक्सचरक निर्माण कएने अछि त उत्सव दाहालक छायांकन रहल अछि आ विष्णु खड्का सम्पादन कएने छथि । निर्देशन मुनाल शिशिर कोइराला कएने छथि ।
गीत तथा भिडियो बलात्कारक बिषयमे सामाजिक सन्देश परस’ लेल निर्माण कएल गेल गायक नितिन बतेने छथि । गीत समाजमे बलात्कारक बिषयमे चेतनाक विस्तार करबाक विश्वास अपनाकेँ रहल नितिन सुनेलनि। ( अइसँ पहिने गजुरेलक नेपालीमे म जन्मेको देश, कसम हो कसम, अनुपम रङ्ग, आँखैले हेर्यौ, आँखामा तिम्रो छाया, आज राती तिमी, आकास धर्ती बीचको दुरी, झुक्यारै किन होला, अनुपम रङ्ग हौ, चुपचाप बदलियो आ मैथिलीमे प्रेमक पिचकारी, नयना नुकाक’ आ दिलके डायरी हिट रहल अछि। )