News

पूर्व राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारीक आतिथ्यमे जितिया पर्व समारोह

अप्पन विराटगढ़ परोपकार समाजद्वारा तेरहम(१३) अन्तर्राष्ट्रिय जितिया पर्व समारोह – २०८१ नेपालक पूर्व राष्ट्रपति श्रीमती  विद्या देवी भण्डारीक प्रमुख आतिथ्य एवं संस्थाक अध्यक्ष श्रीमती बसुन्धरा झाक अध्यक्षतामे आशिन ३ गते (२०८१) वृहस्पति दिन श्री महेन्द्र मोरङ्ग क्याम्पसमे कार्यक्रम आयोजन हेत।

Ad

बिगत १३ सालसँ अप्पन विराटगढ़ परोपकार समाजद्वारा जितिया पर्व समारोह मनबैत आबि रहल अछि। नेपालमे ई पहिल संस्था अछि जे जितिया पावनि एतेक व्यापक स्तर पर मनबैत आएल संस्थाक कहब अछि।

कार्यक्रममे भारत आ नेपालक प्रतिष्ठित मान्यगणसभक उपस्थिति रहतनि। विराटनगरक आठ टा वार्डसँ विभिन्न जातजातिसभद्वारा अपन मौलिक भेष-भुषा ओ पहिरनमे बृहत् कलश शोभा यात्रा, राष्ट्रिय-अन्तर्राष्ट्रिय स्तरक ख्यातीप्राप्त मैथिल कलाकारसभद्वारा गीत, संगीत, नृत्य आ झांकी प्रस्तुत कएल जाएत। तहिना, कार्यक्रममे विराटनगरक विभिन्न स्कुलक विद्यार्थीसभद्वारा मनमोहक सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल जाएत। समारोहमे मैथिली चित्रकलाक प्रदर्शनी आ स्टलसब सेहो लगाएल जाएत।

संगें जितिया पर्वक विधि-विधान ओ महिमा पर किछु जानकार ओ संस्कृतिविदसभ द्वारा चर्चा परिचर्चा कएल जाएत। समारोहमे समाज ओ देशक विकासमे विभिन्न क्षेत्रमे महत्वपूर्ण योगदान देने सामाजिक अभियन्तासभकेँ सम्मानित कएल जाएत।

आयोजक समिति अइ बेर २५ सँ ३० हजार धरि आमलोकसभकेँ अइ कार्यक्रममे सहभागिता करेबाक लक्ष्य लेने अति तथा बाध्यतावश कार्यक्रममे सहभागी नइँ होबएबला शुभेच्छुकसभक लेल प्रत्यक्ष प्रसारणक व्यवस्था कएल गेल अछि। कार्यक्रमकेँ सुन्दर अनुसासित रखबाक लेल पुरुष ओ महिला स्वयंसेवकसभ परिचालित रहत। अपन भाषा, कला, संस्कृति, पावनि-तिहार, साहित्य, सभ्यताक पहिचान, संरक्षण, सम्वर्द्धन ओ विकासक लेल कार्यक्रममे प्रत्यक्ष ओ अनलाइक माध्यमसँ जितिया पावनिमे अवश्य सहभागी होएबाक लेल आयोजक संस्था जानकारी देने अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles