Jobs in Nepal

करार सेवामे खुल्ला प्रतिष्पर्धासँ पदपूर्ति, नेपाल खाने पानी संस्थान

नेपाल खाने पानी संस्थानमे खाली रहल पदसभ मध्ये खुल्ला प्रतिष्पर्धा (अन्तरवार्ता / प्रयोगात्मक परीक्षा) द्वारा ६ (छ) महिनाके लेल करार सेवामे पदपूर्ति करबाक लेल निम्न लिखित योग्यता पहुँचल उम्मेदवारसभ फार्म भरि सकै छी।

दरखास्त फाराम संगे शैक्षिक योग्यता, तालिम, अनुभव, नागरिकताके प्रमाण पत्र सहितके कागजातके प्रमाणित प्रतिलिपिसभ १/१ प्रति तथा संस्थानके सम्बन्धित शाखा कार्यालयमे परीक्षा दस्तुर बुझाएल गेल रसिद समेत संलग्न करि ई सूचना प्रकाशित भेल, मितिसँ ३० (तीस) दिन तथा म्याद समाप्त भेल मितिसँ ७ (सात) दिन भित्र दोब्बर दस्तुरमे आवेदन करि सकैत छी। विशेष जानकारी निच्चाके सूचनामे देखू।

नोट:
1. आवेदनके अंतिम मिति १८ वर्ष आयु पूरा, ४० पार नइँ कएनिहार
२. नेपाली नागरिक ।
३. नैतिक पतन वा आपराधिक आरोपमे अदालतद्वारा दोषी नइँ ठहरायल गेल।
४. अन्तर्वाताके स्थान आ समय बादमे गोरखापत्रमे प्रकाशित कएल जाएत।
5. आवेदन पत्र अइ संस्थानक वेबसाइट : www.nwc.gov.np सँ डाउनलोड कएल जा सकैत अछि।
नेपाल खानेपानी संस्थान

नेपाल खानेपानी संस्थान
प्रधान कार्यालय, त्रिपुरेश्वर।

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles