News

प्रदेश २ के प्रसिद्ध पत्रकार : यादव कोरोना संक्रमित

प्रदेश २ के बहुमुखी प्रतिभाक धनी,पत्रकारिता क्षेत्रके मुख्य पेशा बनाक’ समाजक परिवर्तन लेल ईमान्दार एवं कर्मठ योद्धाक रूपमे बेस प्रसिद्धी प्राप्त करैत एनिहार पत्रकार एवं मिथिला अभियन्ता श्याम सुन्दर यादवकेँ काइल मंगल दिन कोरोना संक्रमणके पुष्टी भेल अछि।

ओ अपन फेसबुक स्टेटसमे लिखैत छथि,” आदरणीय मित्र लोकनि साओन २५ गतेसँ घरक क्वारेन्टाइनमे रहैत एलौँ। काइल अस्पताल भर्ना भेलौँ। आइ कोरोना संक्रमित भेलौँ। हमर सम्पर्कमे २-३ गोटे सङ्गी सेहो रहल छथि। घर-परिवार आ गामसँ १७ दिनसँ अलग छी। “

एहि कोरोना कालमे यादवक योगदान प्रशंसनीय रहल अछि। नेपाल टेलिभिजनक रिपोर्टर,न्यूज टुडेक पूर्व सम्पादक हाल चर्चामे रहल न्यूज पोर्टल मधेश लाईभ डॅट कमक सम्पादक आ मैथिली साहित्य परिष्द, राजविराजक उपाध्यक्ष सेहो छथि। यादव अखन सप्तरीक पत्रकारिता क्षेत्रमे प्रतिष्ठित पत्रकारक रूपमे स्थापित छथि। कोरोना कालमे सेहो संचार माध्यमसँ जन-सेवा समर्पित छलथि। संक्रमित होब’ सँ पछिला चरणमे ओ निरन्तर अपन अभिव्यक्तिसँ जन-मानसके कोरोनासँ सचेत करैत आएल छलथि।

यादव कोरोना संक्रमित भेलाक खबर पाबि हिनक प्रशंसकसभके उदासी छाएल अछि। हिनका स्वास्थ्यलाभक कामना करैत फेसबुुुुकके न्यूज फिड भरल देखल जा सकैत अछि।

आइ लभ मिथिला डॅट कमसँ फोन संवाद होइत काल कहलथि,” समचार संकलनक क्रममे बेसी लोक लग आबत जाबत भेलापर संक्रमित भेलौँ । अखन हाय फिभर रहल अछि।” लोकसभमे मिलजुल नइँ करी,सदैव सावधानी अपनाबी से सुझाव आ जल्दी ठीक होएब से विश्वास व्यक्त केलथि।

एहि दु:खद खबरसँ स्वास्थयलाभक कामना करैत आइ लभ मिथिला डॅट कम परिवार सेहो चिन्तित अछि।

Vidyanand Bedardi

विद्यानन्द वेदर्दी जी एहि वेबसाइटके सम्पादक छथि। Email - [email protected]

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Back to top button

Adblock Detected

Please Disable Adblocker and Help Us to Grow !