News

प्रकृति लम्साल मृत्यु प्रकरण : मानव अधिकार आयोग भारतीय आयोगकेँ पत्र पठौलक

प्रकृति मृत्यु प्रकरण : मानव अधिकार आयोग भारतीय आयोगकेँ पत्र पठौलक अछि।

राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग, नेपाल प्रकृति लम्साल मृत्यु प्रकरणक सन्दर्भमे निष्पक्ष छानबिन कऽ पीडिताके लेल न्यायक मांग करैत भारतीय मानव अधिकार आयोगकेँ पत्र पठाओल गेल अछि।

भारतक ओडिशा राज्यक भुवनेश्वरस्थित कालिंगा इंन्सिटच्युट अफ ईन्डष्ट्रीयल टेक्नोलोजी विश्वविद्यालयमे अध्ययनरत नेपालक बेटी विद्यार्थी प्रकृति लम्साल विश्वविद्यालयक छात्रावासमे मृत भेटल छल। घटनाक सन्दर्भमे निष्पक्ष छानबिन कऽ पीडित लेल न्यायक मांग करैत आयोग आई बेरसपति दिन भारतीय आयोगकेँ पत्र पठौलक अछि।

‘शंकास्पद रूपेँ दुखद मृत्यु भेल घटनाक अनुसन्धान कए पीडितकेँ न्याय प्रदान करबाक लेल, विश्वविद्यालयमे मारिपिट भेल तथा दुर्व्यवहारमे पड़ल विद्यार्थीसभकेँ शीघ्र न्याय प्रदान करबाक लेल, अध्ययनरत नेपाली विद्यार्थीसभक पूर्ण सुरक्षाक प्रत्याभूति करैत भयरहित वातावरणमे अध्ययन करबाक अवस्था निश्चित करबाक लेल, घटनामे संलग्न विश्वविद्यालयक अधिकारीसब तथा व्यक्तिसभकेँ कानूनी दायरामे लाबि जवाबदेही बनएबाक लेल पत्राचार कएल गेल,’ आयोगक विज्ञप्तिमे उल्लेख कएल गेल अछि छै।

केआईआईटी विश्वविद्यालयमे बी.टेक तेसर वर्षमे अध्ययनरत रहल लम्साल इयह रविक साँझमे विश्वविद्यालयक होस्टेलमे रहस्यमय अवस्थामे मृत अवस्थामे भेटल छलीह।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।