सिरहामे १७ वर्षक किशोरीक मृत्यु भेल घटनाक सम्बन्धमे छानबिन समिति गठन

सिरहामे १७ वर्षक किशोरीक मृत्यु भेल घटनाक सम्बन्धमे छानबिन समिति गठन कएल गेल अछि।
मधेस प्रहरी कार्यालय एक विज्ञप्ति जारी करैत एसपी शान्ति राज कोइरालाक नेतृत्वमे छानबिन समिति गठन भेल जानकारी कराओल गेल अछि। उक्त समिति घटनास्थल जाऽ कऽ आवश्यक अनुसन्धान सुरु कएने विज्ञप्तिमे उल्लेख छै।
नवराजपुर गाउँपालिका वाड नम्बर–१ घर निवासी १७ वर्षीया रिंकुकुमारी सदा माघ ३० गते घरेमे फँसरी लागल अवस्थामे मृत अवस्थामे भेटल छलीह। हुनक परिवार ओ कुटुमसब अपन बेटी बलात्कार पश्चात आत्महत्या कएने दाबी कऽ रहल छथि। तेँ शोक-संतप्त परिवार बलात्कारी ओ हत्यामे संलग्नसबके सिघ्र कानूनी कारबाहीक मांग कऽ रहल छथि।
किशोरीक काका फागुन १ गते आत्महत्या दुरुत्साहनक कसुरमे अनुसन्धान करबाक लेल जाहेरी देने छथि। इलाका प्रहरी कार्यालय लहानमे जाहेरी दर्ता कऽ अनुसन्धान भऽ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक डीएसपी वीरेन्द्र पासवानले बतौलथि। ओ कहलथि, ‘बलात्कार भेल विषयमे अनुसन्धान होइत, बलात्कार भेल यकिन करबाक लेल चिकित्सकक रिपोर्टकेँ प्रतिक्षा अछि।’
आत्महत्या दुरुत्साहन कएने कसुरमे ‘चिंकु’ उर्फ रुपेश मण्डलकेँ प्रतिवादी माइन कऽ मृतकक काका जाहेरी देने छथि। १९ वर्षीय रूपेश मण्डल भेल अछि।
एहि सम्बन्धमे मधेस प्रदेश सभा सदस्य माननीय सारदा पहाडीक अगुवाइमे संयुक्त दलित राजनीतिक दल संघर्ष समितिक प्रदेश संयोजक रामो महरा, नेपाल दलित मुक्तिमोर्चाका प्रदेश अध्यक्ष लवकुश बैठा, माओवादी नेता कमरेड देव सागर दास, दलित अधिकारकर्मी राजेश सक्सेना, जसपा नेता सोभित पासवान सहित पीडित परिवार ओ स्थानीयसभक संग स्थलगत निरीक्षण पश्चात् जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक प्रहरी प्रमुख (SP) ओ (DSP) साहेबकेँ भेट कऽ घटनाक छानबिन कऽ दोषी ओ अपराधीकेँ कानुनी दायरामे लएबाक लेल पहल कएल जा रहल अछि।
उचित न्याय मांग करैत रिंकु कुमारी सदाक घर पर हिन्दू सम्राट सेनाक कार्यकर्तासब सेहो पहुंचल छथि।