News

मैथिलीक चर्चित गायिका ज्योति विश्वकर्मा उप-राष्ट्रपति यादवद्वारा सम्मानित

Ad

‘हमर संस्कृति, हमर पहिचान’ मूल नाराक सङ्ग स्थापित मिथिला संस्कृति समाज नेपालद्वारा सीता जन्मोत्सव समारोह मनाओल गेल अछि।

काइल दिनाङ्क २०८० बैशाख १६ गते जानकी नओमीक अवसरपर संस्कृति समाज नेपालद्वारा काठमाण्डू, जमलमे आयोजित सीता जन्मोत्सव समारोह २०८० सु-सम्पन्न भेल अछि।

उक्त सीता जन्मोत्सव समारोह २०८० कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि सम्माननीय उप-राष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादवद्वारा मिथिला-मधेशक चर्चित युवा गायिका ज्योति विश्वकर्मा सम्मान-पत्र सहित सम्मानित भेल छथि।

सप्तरी, मोहनपुर – ५ घर भेल गायिका विश्वकर्मा नेपालीय मैथिली भाषा-सङ्गीतक एक मुख्य पसन्दिदा युवा गायिकाके रुपमे स्थापित नाम रहल अछि। एक दशकसँ मैथिली सङ्गीतमे समर्पित गायिका विश्वकर्मा दर्जनो मैथिली हीट गीतसभ गएने छथि।

मुसकानमे अहाँके गीतक रेकर्डिङ्गसँ औपचारिक रुपमे म्यूजिक करियर शुरु कएनिहारि विश्वकर्माक प्रेमक पिचकारी, प्रियतम हमर परदेशिया, छोड़ब नइ कहियो दै’ छी वचन, नइ जाएब ओइ देश, घाँस काट’ चलू अहाँ, नयना नुकाक’ तकलौँ, गोरकी तोहर जानमारा हाइफाइ, चल चला चल, आदि गीतसभ लोकप्रिय रहल अछि। लहानक जेएस मुरारकासँ कमर्समे मास्टर्स क’ रहल मौलिक सङ्गीतके पक्षधर गायिका विश्वकर्मा औपचारिक सङ्गीत शिक्षा काठमाण्डूक श्री सङ्गीत पाठशालासँ ल’ रहल छथि। मौलिक आ सांस्कृतिक गीत-सङ्गीत गाब’ मे आ बजारमे लाब’ मे बेस्स रूचि रखैत छथि।

सीताक जनम आ कर्मसँ सामाजिक रुपमे कोन रूपेँ प्रेरित भ’ आगा बढ़बाक चाही विषयपर विमर्श समेत राखल गेल आयोजक संस्थाक अध्यक्ष वीरेन्द्र ठाकुर जानकारी देलनि। उक्त आयोजनके मिडिया पार्टनर मिथिला दर्शन टिभी रहल छल।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles