News

गायिका कंचन झा गायन पुरस्कारसँ पुरस्कृत

मधुश्रावणी पर्वक अवसरमे प्रदान कएल जाएवला उर्मिला देवी मैथिली गीत गायन पुरस्कार सप्तरी राजविराज नगरपालिकाक वार्ड न. ४ क कञ्चन झाकेँ प्रदान कएल गेल अछि।

Ad

प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी वैद्यनाथ झाद्वारा भौजाइ उर्मिलादेबी झाक स्मृतिमे स्थापित पुरस्कारसँ अइ वर्ष मैथिली लोकगीत गायिका कञ्चन झाकेँ पुरस्कृत कएल गेल।

गायिका उर्मिला देवी झाक पाँच वर्ष पहिने मधुश्रावणी पावनिक समयमे मोरङ्गक विराटनगरमे भेल दुर्घटनामे देहावसान भेल छल। हुनकरे स्मृतिमे हुनकर भैंसुर प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी वैद्यनाथ झा चारि वर्षसँ साङ्गीतिक श्रष्टालोकनिसबकेँ पुरस्कारसँ पुरस्कृत करैत आबि रहल छथि। पुरस्कारक राशी दू हजार पाँच सय पाँच रहल अछि।

बितल वर्ष ओ पुरस्कारसँ गायिका एवं रेडियोकर्मी तिरहुत गाउँपालिका वार्ड न. १ क मुनचुन देव ‘प्रिया’ पुरस्कृत भेल रहथि। अहिना, ०७७ सालमे राजविराज नगरपालिका–७ क किरण झा आ ०७८ सालमे राजविराज–४ क रञ्जु साह पुरस्कृत भेल रहथि।

पत्रकार तथा अभियानकर्मी वैद्यनाथ झा अपन पिता जीक स्मृतिमे पंडित नित्यानन्द झा स्मृति पुरस्कार, स्व. पत्रकार उमा सिंहक स्मृतिमे उमा सिंह पत्रकारिता पुरस्कार आ अथक मानव अधिकार योद्धा प्रकाश काफ्लेक स्मृतिमे वैद्य–प्रकाश मानव अधिकार पुरस्कार समेत स्थापित कएने छथि।

मैथिली गीत गायन पुरस्कार प्रकाश स्मृति दिवसके अवसरमे आइ साओन १६ गते राजविराज स्थित नेपाल पत्रकार महासंघक सभाकक्षमे आयोजित कार्यक्रममे समर्पण कएल गेल अछि।

गायिका कंचन झा मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल (मिलाफ नेपाल) क संस्थापक सदस्य आ मैथिली साहित्य परिषदक आजिवन सदस्य समेत रहल छथि। झा ‘हम सिया छी’ एलवममे स्वर देने छथि।

राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोगक सदस्य तथा पूर्व न्यायाधीश मिहिर ठाकुरक प्रमुख आतिथ्यमे पुरस्कार समर्पण कार्यक्रम सु-सम्पन्न भेल अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles