News

राजविराजमे ‘कर्मशील फोटो प्रदर्शनी’ क’ फोटोग्राफरसभकेँ सम्मान कएल गेल

 

Ad

विश्व युवा दक्षता दिवसक अवसरमे संवाद फाउण्डेशनक आयोजन आ मधेश कला सेतुक समन्वयमे सप्तरीक राजविराज स्थित जिला समन्वय समितिक सभाहलमे आयोजित ‘फोटो प्रदर्शनी’ कार्यक्रममे स्थानीय आ जिलाक फोटोग्राफरसभक कलाक सम्मान करैत ओकरासभक केमरामे कैद कएल गेल फोटोसभकेँ फ्रेममे सजा सभाहल भितर प्रदर्शन कएल गेल छल।

संवाद फाउण्डेशनक केन्द्रीय अध्यक्ष कुमार भास्करक अध्यक्षता आ मधेश प्रदेश सभा सदस्यद्वय सतिश कुमार सिहं आ मनिष सुमनक प्रमुख आतिथ्यमे फोटो आवरण करैत उद्घाटन भेल छल।

कार्यक्रममे जम्मा १६ टा फोटोग्राफरसभ एक-एकटा फोटो प्रदर्शन कएने छल। ई ‘कर्मशिल’ फोटो प्रदर्शनीमे बाजा बजबैत काल, सिलौठ बनबैत काल, बालु चालैत काल, रिक्सा चलबैत काला, माला गुथैत काल, मोबाइल मर्मत करैत काल, टेलरिगं करैत काल, आदि मिथिला-मधेशबासीके आम जीवनकेँ प्रस्फुटित क’ रहल कुल मिलाक’ २० टा फोटो राखल छल।

जइँमे फोटो पात्रमे रहल रेखा देवि गोस्वामी आ मुन्ना अन्सारी सम्मानित भेल छथि। फोटोग्राफर फेसीलेटरक रुपमे सौरभ साह आ फोटोग्राफर त्रिवेणी कुमार यादव सहितकेँ सम्मान कएल गेल अछि।

  1. कार्यक्रममे सम्मानित चर्चित फोटोग्राफर मधेश कला सेतुक अध्यक्ष सुरेश कुमार मुखिया कहलनि, “फोटोक माध्यमसँ जगतमे अपन कला, मौलिक पहिचान आ साँस्कृतिक परम्परासभकेँ विश्वक पटलपर चिन्हाब’ क’ लेल हमसभ तत्पर छी आ रहबाक जरुरी अछि। “

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि प्रदेश सभा सदस्य सतिश सिंह फोटो आ भिडियोक माध्यमसँ आम जनसमुदायकेँ सचेत करैत आएल छथि कोनो काममे लगनशिलता आ मेहनत रहौ त, सोँचल जेहन सफलता प्राप्ती होइ छै। तेँ सिर्जनशीलता आ दृष्टि भेल व्यक्तित्व अर्थात फोटोग्राफरसभकेँ प्रोत्साहन करब आ सम्मान करब आवश्यक रहल बतेने रहथि।

प्रदेश सभा सदस्य मनिष सुमन कहलनि, ” राजविराजक परिवेशकेँ, अइ ठामक सँस्कृति, खान-पान, भेष-भूषा, रहनसहनसभकेँ विश्वक आँखिमे फोटोक माध्यमसँ चिन्हेबाक प्रयास स्थानीय फोटोग्राफरसभ कएने छथि। हुनकासभकेँ धन्यवाद दैत अपन पेशामे लगनशिल भ’ लागल रहथि आ अपन माटि, भूमिकेँ चित्र निखार करैत रहथि।”

सम्मानित साह कहलनि, ” ई प्रदर्शनी फोटोग्राफरसभकेँ हौशला प्रदान कएलक आगूक दिनसभमे ई कलाकेँ समाजमे उचित स्थान मिलतै।”

टेलरिगं काम क’ रहल खिचल तस्बिरकेँ प्रदर्शनीमे देखिक’ आश्चर्य अनुभव कएलौँ से फोटोपात्र मुन्ना अनसारी अपन मोनक बात व्यक्त कएने छलाह।

कार्यक्रममे जिला समन्वय समितिक सप्तरी जिला अध्यक्ष, पत्रकार, मैथिली विकासक प्रतिनिधि युवा, विधार्थी आ फोटोग्राफरसभक उपस्थिति रहल बात मधेस प्रदेश क्षेत्रिय संयोजक नविन साह बतेलनि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - Contact@ilovemithila.com, +9779827625706

Related Articles