News

चर्चित साहित्यकार करुणा झा ‘अटल मिथिला सम्मान’ सँ सम्मानित

बिहार विमर्श आ अटल मिथिला सम्मान भारतक राजधानी दिल्लीमे आइ २०२३ जुलाई ९ मे सम्पन्न भेल अछि। जइँमे नेपालक मिथिला क्षेत्र आ भारतक मैथिली भाषा-भाषी , राजनीतिज्ञ आ बलिउड स्टारसबहक सहभागिता रहल छल।

Ad

 

सन् २००३ मे तत्कालीन प्रधानमन्त्री अटल बिहारी वाजपेयी संविधानक आठम अनुसूचीमे मैथिली भाषाकेँ संवैधानिक दर्जा देने छलनि । हुनक देहावसान बाद ई अटल मिथिला सम्मान मिथिला क्षेत्रक विशिष्ठ व्यक्तित्वक लेल गठन कएल गेल छल। ई सम्मान कोनो क्षेत्रमे उत्कृष्ट काज वा योगदान देनिहारकेँ देल जाइत अछि। अटल फाउन्डेसन सब वर्ष ई सम्मान प्रदान करैत आएल अछि। नेपालक मिथिला क्षेत्रकेँ सेहो सम्मान देबाक परिपाटी शुरू भेल अछि। अइसँ पहिने सुप्रसिद्ध साहित्यकार, सङ्गीतज्ञ एवं संचारकर्मी धीरेन्द्र प्रेमर्षिकेँ देल गेल छल।

 

२०२३ क अटल मिथिला सम्मानसँ नेपालक चर्चित कवयित्री, गजलकार, गीतकार एवं संचारकर्मी करुणा झा आ प्रसिद्ध राजनीतिज्ञ विमलेन्द्र निधि सम्मानित भेल छथि।

 

झाक मैथिली कविता संग्रह ‘भगजोगनी’ , कथा संग्रह ‘जीवन-दान’ , गजल संग्रह ‘फाटल हृदय’ आ गीति एलवम ‘वीर सपुत मधेशके’, याद आबैए अपन गाम, बेटी पढ़ाओ: बेटी बचाओ, आदि रहल अछि। झा आधा दर्जन मैथिली डकुमेन्ट्रीमे अपन स्वर देने छथि आ एक दशकधरि रेडियो छिन्नमस्ता होइत सि. एफ. एम. मे मैथिली सामाचार वाचिकाक रुपमे कार्यरत छलनि। झा सप्तरी क्षेत्रक विभिन्न मैथिली अभियानमे अग्रिनी भूमिका निर्वाह कएने छथि। एकर अलावा झा हिन्दीमे जीवन पथपर चलते चलते, बोलना गुनाह हैं आ नेपालीमे ‘शंखघोष’ पोथी लिखने छथि।

 

दिल्लीक होटल ताज प्यालेसमे आयोजित कार्यक्रममे प्रमुख आतिथ्य भारतीय राज्य सभाके उपाध्यक्ष हरिवंश राय सिंह आ विशिष्ट आतिथ्य भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा, आदिक रहल छल।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles