News

गायक नेता केशव झाक आन्दोलन गीत सार्वजनिक

जनता समाजवादी पार्टीक कार्यकारिणी समिति सदस्य केशव झाक मैथिली आन्दोलन गीत सार्वजनिक भेल अछि।

गीतक बोल रहल अछि ‘उठू मधेशी, जागू मधेशी’। अखन अइ गीतक Punch Line ‘नइँ भुलू नइँ भटकू अहाँ, बचा लिए स्वाभिमान यौ’ लोकक मनकेँ बेसी तानि रहल बुझाइत अछि।

Ad
एहि गीतमे झाक शब्द, सङ्गीत आ स्वर रहल अछि त निशान्त मल्लिक एकर एरेन्ज एवं मास्टरिङ्ग कएने छथि।


अधिकारक लेल मधेशी समुदाय उठऽ कए आ हमरासभ सेहो एकदोसरमे नइँ लड़ऽ कए सन्देश देबाक गीतक उद्येश्य रहल अछि। गायक नेता झा बतएलथि।

‘गीतक किछु शब्दसभ २०७३ सालक अखाड़-साओनमे लिखने छलौँ। तहियाँ हमसभ ३२ दिनक अनसनमे बैठल छलौँ। पार्टीमे एकजुटता रसेरस घटि रहलक अवस्था देखलापर गीतक स्वफूर्त पूर्णता भेटल। ताहि दुआरे गीतमे ई सन्दर्भ सेहो समावेश अछि। ‘

एक प्रस्ट वक्ता आ लोकप्रिय नेता रहितो सङ्गीत क्षेत्रमे कमो समय द’ कमो गीत गाबिक’ वा सृजन कक’ सङ्गीत क्षेत्रमे सेहो अपन अलग छाप छोड़बामे सफल छथि से पुरान गीत ‘प्रेमक बगिया’ आ नेपाली गजल प्रमाणित करैत अछि।


अखनक परिस्थितिमे पार्टीमे सम्पूर्ण गोटेकेँ सङ्ग रहबाक उत्प्रेरणा आ नव जोश भेटए, जखने अपन मधेशी स्वाभिमान उच्च रखबै पार्टी स्वतह: एकतावद्ध रूपेँ चलतै, रहतै सहए उद्धेश्यक सङ्ग गीत निर्माण आ सार्वजनिक भेल हुनक कहब छनि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply