प्राय: सांसद बनिते देरी लोक अपन धन सम्पति अर्जैपर बिशेष जोड़ दैत छनि। संसदिय इतिहासमे एकटा विशिष्ट सांसदके आइ जिवनी प्रस्तुत क’ रहल छी । सांसद किराइ मुसहर जे विहारसँ पहिल दलित सांसद छलाह।
Voice : Dhirendra Premarshi, Writer: Styananaryan Prasad Yadav
किराइ मुसहर जखन सांसद नइँ रहथि उहो समय ओ दोसरके खेतसभके काम करैत छलथि।सांसद बनलाक बादो गाम आएल समय मजदुरी कएनाइ नइँ छोड़लथि।
डा. राम मनोहर लोहियाके बिचारधारासँ किराइ जीके बहुत प्रभावित कने रहए।जाहिसँ गामक दलित-पिछड़ा जातिकेँ सोशलिस्ट पार्टीसँ जोड़बाक प्रयास करैत छलाह। अपन कर्तव्य नि:स्वार्थ भावनासँ पूरा करैत छलथि। हुनकर लक्ष्य कहियो पार्टीके पद वा सांसद बनबाक नइँ छल।
कोशी नदीमे साले-साल बाढ़ि आ महामारीके बात अपन संसद भवनमे प्रस्तुत कएलक। मानल जाइत छै जे प्रसिद्ध कोशी परियोजनाके निर्माणके प्रेरणा किराइ मुसहरक संसदिय सुनबाइके प्रतिफल अछि।
जन्म 17 नवंबर 1920 आ 18 अगस्त 1965 मे मृत्यु