Poem

किसान आन्दोलन प्रति – सन्ताेष सिंह

किसान आन्दोलन कविता

Ad

देखैछी , आगिके बड्का धन्धोरा !
कहै छै , भ्रष्टाचारी नइँ छोरबौ तोरा !
जेना टायर डहैके गन्ध छै , चौक टोला !
भाग भाई पुलिस मारे , आश्रु बमके गोला !!

किसानक देशमे मल खाधके अभाव !
नेतासभ बनल अछि लख्नौवा नबाव !
सरकार करै गरिब किसानपे दबाब !
चुनाबमे दियौ नेतासबके करारा जबाफ !!

गरिब किसानके कहिया हेत , भलाइ!
सर्वहारा शोषकके कहिया हेत सजाय !
कि भ्रष्ट कर्मचारीके एहने रहत रजायी !
जागि उठल जनता आब करत जन कार्वाही !!

किसान सभहक आवाज बुलन्द करु !
भ्रष्टाचारी नेतासबके नाकोदम करु !
शान्तिपूर्ण आन्दोलनमे तोडफोड सेहो बन्द करु !
कृषि बिकास देश बिकासके आधार जोरसे कहु !!

                                  

कवि : सन्तोष सिंह

हाल: न्यूयोर्क अमेरिका कार्यरत,

घर: गोलबजार नगरपालिका-१०(सिरहा)

बितल १ वर्ष देखी अमेरिकेसँ अपन कलम चलाइब रहल छथि। बिशेष तह: मैथिली माटि पानिसँ जुड़ल समय सन्दर्भिक कविता लेखै छै। देशक अवस्थापर चिन्तीत, सन्तोष सिंह कोइरी जी अपन मातृभाषामे रचना लिखै छथि। अपन लेखनसँ साहित्यीक चेतना देखेनिहार रचनाके इ एकटा उदाहरण अछि। – I Love Mithila

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles

Leave a Reply