
सिरहाक बस्तीपुर माध्यमिक विद्यालयक संस्थापकसभमेसँ एक शिक्षक कृष्णलाल झाक स्मृतिमे आइ २०८० बैशाख १२ गते शिक्षा पुरस्कार स्थापना कएल गेल अछि।
मिथिला-मैथिलीक सर्वप्रिय जोड़ी साहित्यकार, सङ्गीतज्ञ तथा संस्कृतिविद् प्राज्ञ धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ साहित्यकार-सञ्चारकर्मी रूपा झा, पिता कृष्णलाल झाक स्मृतिमे पुरस्कार स्थापना कएने छथि।
सामुदायिक विद्यालयके शैक्षिक उन्नयनमे योगदान करऽ वलासभकेँ ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष प्रदान कएल जाएत ।
अपन जेठका बेटा अक्षेन्द्र झाक जन्मदिनक अवसरमे अक्षयकोष राखल गेल अछि। अक्षय कोषसँ प्रत्येक वर्ष ५१ हजार टक्काक ‘पं. कृष्णलाल झा स्मृति शिक्षा पुरस्कार’ प्रदान कएल जाएत।
२००४ सालमे स्थापित सिरहाक बस्तीपुर माध्यमिक विद्यालयक संस्थापक शिक्षकसभमेसँ एक कृष्णलाल झा ओहि विद्यालयमे अविच्छिन्न रूपमे सभसँ बेसी समयधरि अध्यापन कएने छलनि। तइँ पुरस्कार झाक स्मृति दिवसेके दिन विद्यालय परिसरमे पुरस्कार प्रदान कएल जएबाक जानकारी भेटल अछि।
बस्तीपुर माविसँ एसईई परीक्षामे सर्वोत्कृष्ट नतिजा प्राप्त करऽ वला एकगोट छात्र / छात्राकेँ ११ हजार टक्काक ‘कृष्णानन्दी प्रोत्साहन पुरस्कार’ वा उहए विद्यालयमे कक्षा ११-१२ मे अध्ययरत विद्यार्थीसभकेँ छात्रवृत्ति प्रदान कएल जाएत से बात प्राज्ञ प्रेमर्षि जनतब देलनि।
पं. झाक धर्मपत्नी आनन्दीदेवी झा प्रमुख संरक्षक आ जेठ पुत्र राजेन्द्र झा संरक्षक रहल पुरस्कार कोष सञ्चालनक लेल प्राज्ञ प्रेमर्षिक अध्यक्षतामे बस्तीपुरक प्रवुद्ध व्यक्तित्वलोकनि कुमुदरञ्जन बराल, शेखर गिरी, डा. रेणु अधिकारी, धर्मेन्द्र झा ‘विह्वल’, गोविन्द यादव, जुगुत राम, ई. राकेश रेग्मी आ रूपा झा सदस्य तथा देवेन्द्र झा, योगेन्द्र झा, वीरेन्द्र झा, महेन्द्र झा, जीतेन्द्र झा, विमला झा आ विभा झा सलाहकार रहल समितिक गठन कएल गेल अछि।