१०० दिनमे २ दिन बाकी : रंगाशालाके काम नै भेल पूरा
क्रिकेट रङ्गशाला निर्माणमे देरी प्रधानमन्त्रीके धीयान

काठमाण्डू, २२ वैशाखः प्रधानमन्त्री ओली अखार ३१ गते पहिल निर्णयक रूपमे सओ दिनभित्र ओइ क्रिकेट मैदानमे अन्तर्राष्ट्रीयस्तरके प्यारापिट आ फ्लडलाइट जड़ान करबाक घोषणा कएने छल । उक्त समयावधि इएह वैशाख २४ गते समाप्त हएत । उक्त दूनु काजके लेल फरक फरक ठिकेदार कम्पनीसङ क्रमशः पुस १९ आ २२ गते सम्झौता भेल छल ।
प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली कीर्तिपुरस्थित क्रिकेट रङ्गशाला निर्माणमे भ रहल देरीबारे गम्भीरतापूर्वक देखि रहल अछि । रङ्गशाला अन्तर्राष्ट्रीयस्तरके प्यारापिट आ फ्लडलाइट जड़ानकार्य निर्धारित समयमे सम्पन्न नइँ भ सकल विषयमे आइ सम्बन्धित निकायके अधिकारी आ निर्माण व्यवसायीकेँ बोलाए क चर्चा कएलथि।
प्रधानमन्त्री ओली कोन कारण समयमे काज नइँ भेल आ आब कते दिनमे गुणस्तरीय रूपमे काज पूरा हएत से यकिन करए आ अगिला दू महिनाभित्र पूरा करए लेल कड़ा निर्देशन देलनि । मन्त्रालय क सचिव, कार्यालयक प्रमुख आ निर्माण व्यवसायी सम्बन्धित निकायबीच समन्वयमे समय लागल, बोलपत्र आव्हानमे देरी भेल, प्राविधिक कारणसँ डिजाइनमे सामान्य परिवर्तन भेल, वर्षाके कारण किछ दिन काममे अवरोध भेल, प्रतीत पत्र अर्थात् एलसी खोलबाक प्रक्रियामे देरी जकाँ कारणसँ निर्धारित समयमे काज पूरा नइँ भेल स्वीकार कएलक । एक महिनामे काज पूरा करबाक ओसभ प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि ।
प्यारापिटदिस वित्तीय प्रगति ४५ दशमलव १९ आ भौतिक प्रगति ५५ प्रतिशत तथा फ्लडलाइटदिस वित्तीय प्रगति २३ दशमलव ८१ आ भौतिक ३५ प्रतिशत प्रगति भेल अछि । प्यारापिटक लेल ४९ करोड़ २५ लाख ६७ हजार ३०२ टका आ फ्लडलाइटके लेल ४७ करोड़ ३७ लाख ६८ हजार ७७ टकामे सम्झौता कएल गेल छल ।
बातचितमे प्रधानमन्त्रीक मुख्य सल्लाहकार विष्णुप्रसाद रिमाल, नेपाल सरकारक मुख्यसचिव एकनारायण अर्यालसहित सहभागी छलथि ।
— रासस