News

मैथिली, नेपाली आ भोजपुरी भाषामे ‘लेबर’क टिजर भेल सार्वजनिक

१३५ म अन्तर्राष्ट्रिय श्रम दिवसक अवसरमे काइल काठमाण्डूमे मैथिली, नेपाली आ भोजपुरी तीनटा भाषामे फिचर फिल्म लेबरक टिजर सार्वजनिक आ निर्माणक घोषणा कएल गेल अछि।

Ad

फिल्मक लेखक तथा निर्देशक पूर्णेन्दु झा कहलनि, ” ई चलचित्र विश्वभरि श्रम अधिकार शोषणमे पिड़ित सम्पूर्ण नेपालीक समयसामयिक विषयवस्तुपर आधारित रहल अछि। श्रमिकसभक जोड़गर आवाज उठेबाक प्रयास करऽ जा रहल छी। सरकार आ समाजकेँ लेबरसङ्ग लबरइ नइ करबाक सन्देश देने अछि। तथ्यांकअनुसार बरिषमे ५ लाख नेपाली काजक खोजमे पलायन करैत अछि। बितल वर्ष ४ लाख ९४ हजार २ सय २४ नेपाली कामदार रोजगारीक खोजीमे १४४ टा देश पहुँचल छल। ई कामदारमध्ये अधिकांश मधेश प्रदेशक रहल अछि जेँ धियापुता आ परिवार छोड़ि बाहर श्रम बेचऽ जाइत अछि। गरिबी, अभाव, वैदेशिक रोजगारीक प्रमुख कारणसभ रहल अछि। प्रवासी नेपालीसभद्वारा पठाओल रेमिट्यान्सक बलपर देश चलैत अछि जकरापर सरकार निर्भर अछि। मुदा ओ कामदारसभप्रति सरकार आ मालिकसभद्वारा शोषण कायमे रहल अछि।”

राष्ट्रीय समाचार समितिक कार्यकारी निर्देशक धर्मेन्द्र झा विषय गम्भीर आ संवेदनशील मात्र नइ श्रमक मूल्यकेँ उच्च सम्मानक हिसाबसँ फिल्म सार्थक हएबाक बतेलनि।

पूर्ण रूपमे मैथिली भाषामे निर्माण हुअ जा रहल एहि फिल्मकेँ नेपाली आ भोजपुरीमे स्वराङ्कन कएल जाएत। फिल्मक लेखन पूर्णेन्दु झा, नरेश मिश्र, रमेश रञ्जन, आदि लेखकद्वारा कएल जा रहल अछि तँ फिल्ममे प्रवेश मल्लिकक सङ्गीत तथा पार्श्ववसङ्गीत, धीरेन्द्र प्रेमर्षिक गीत, हिमाल केसीक द्वन्द्व निर्देशन, आलोक शुक्लाक छायांकन, निमेष श्रेष्ठक सम्पादन, राजेन्द्र मोक्तानक रंग संयोजन, मल्लाज अडियो वर्कसक साउण्ड डिजाइन तथा मिक्सिङ, अक्की थेक्पाक कला निर्देशन रहबाक जानकारी भेटल अछि।

नेपाली टिजर OSR DIGITAL, मैथिली आ भोजपुरी टिजर अरिपन फिल्मसपर रिलीज भेल अछि। लेबरसङ्गे लबरइ नइ… सरकार! मुख्य डायलोग रहल टिजरमे उत्पल झा दमगर अभिनयसँ मैथिलीमे करियर शुरूआत क’ रहल छथि तँ प्रसिद्ध रङ्गकर्मी रामभजन कामत, कलाकार राजेश सकसेना, आदि नजरि आएल छथि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles