News

एहन समयमे लहानमे दबाइके अभाव

WHO के मापदण्डसँ निच्चाके दबाइ कि कएल जएबाक चाही ?

हाल देश भरिमे स्वास्थ्य अवस्था समान्य नइँ अछि। लहान नगरपालिकाके अस्पताल सबमे समान्य दवाइ सिटामोल तथा जिवनजल सेहो समान्य रूपमे नइँ भेट रहल छै।गर्भवती महिलाद्वारा सेवन करैएबला आइरन चक्की नइँ भेट रहल अछि।

Ad

दिनके चार दर्जन बेमारी आबै छै,जाँचके बाद दबाइ दिय नइँ सकि रहल अवस्थामे गारि सेहो सुन’ पड़ि रहल अछि।नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखासँ आनल आठ पत्ता सिटामोल सेहो सठि गेल छै।

-ललिता कुमारी चाैधरीके कहब छनि।

लहान नगरपालिका–१५ के  स्वास्थ्य चौकीके  इन्चार्ज  अहेब रामसुन्दर चौधरी सेहो दिनके बहुत बिमारीसभ आबै छै लेकिन सिटामोल धरि नइँ देब’ सकि रहल बात बतबैत छथि। २४ वाडमे १२ स्वास्थ्य चाैकी आ एकटा सहरी स्वास्थ्य क्लिनिक अछि। सरकार ५१ किसिमके दबाइ नि:शुल्क देबाक घोषणा कएने अछि।
चोटपटक लागल लोकके मात्र मरहम पट्टी कर’ सकि रहल छी। सरकारसँ उपलब्ध हाेएबला ३६ सँ ५८ किसिमके दबाइ मध्ये २० किसिमके दबाइ मात्रे आबि रहल छलै। सेहो नगरपालिका नियमित आपूर्ति नइँ करि रहल अछि। लहान १८ के स्वास्थ्य चाैकी प्रमुख दास जानकारी देलथि।

भितरिया बात कि अछि ?

लहान नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखा प्रमूख रामसुन्दर यादव स्वास्थय चाैकीसभमे दबाइके अभाव रहल स्विकार कएलक। दबाइ किनैएके लेल नगरपालिका ३५ लाख रूपैँया बजेटसहित जेठ २२ गते बोल पत्र बजाओल गेल छल। तइँमे “जनप्रिया” संस्थाके ३५ लाखके ठिक्का १५ लाख ३८ हजारमे सकार केने रहए। अखार २५ गते उक्त  दबाइके  नगरपालिकाके बुझाओल  गेल।मुदा नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखा WHO के मापदण्डमे नइँ पड़ल कहिके वितरण स्थगित करि देने अछि।

नगरपालिकाके प्रमूख प्रशासकीय अधिकृत खेमनन्द भुसाल नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखाके कमजोरीके कारण दबाइ अभाव भेल कहैत छथि। स्वास्थ्य शाखाकेँ एखनिये अभाव हटाबै लेल दबाइ खरिद प्रक्रिया अगाड़ी कहने छियै,ई समस्या दुइ चारि दिनमे हटि जाएत।

श्रोत-ekantipur

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर जी एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply