प्रदेश न.२ के मुख्यमन्त्री लालबाबू राउत कोरोना माहामारी नियन्त्रणकें लेल आठहुँ जिलासँ आएल सबटा सुझावसभकें यथाशीघ्र कार्यान्वयन करबाक बात बतौलनि अछि।
मंगलदिन धनुषा आ महोत्तरीक सरोकारबलासभक सङ्ग महामारी नियन्त्रणके लेल चालल जेबाक कदमबारे सुझाब लेब लेल बर्दिवासमे भेल छलफलमे मुख्यमन्त्री राउत मुख्यमन्त्री राउत महामारी नियन्त्रण लेल भ’ रहल प्रयास आ भविष्यमे चाल बला कदमबारे
आठौ जिल्लाक सरोकारबलासभ देने सुझाबसभ किछु किछु कार्यान्वयनमे रहल आ बाँकी सेहो यथाशीघ्र पूरा करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलक अछि।
एखन महामारीमे लम्बा गप नइँ काज करबाक समय रहल कहैत मुख्यमन्त्री राउत जनता बचतै त विकास होइत रहतै मुदा एखन जनताक जान जोगेनाइ महत्त्वपूर्ण रहल बतौलनि अछि।
बर्दीबासमे संचालनमे आएल पिसीआर ल्याबमे सेहो प्रदेश सरकारद्वारा आवश्यक सहयोग करबाक प्रतिबद्धता देलक अछि।बैठकमे समाजिक विकासमन्त्री नवलकिशोर साह महामारी नियन्त्रणकें लेल जमचेतना सभसँ पैघ हतियार रहल बतबैत एहिप्रति बेसी सजग रहबाक लेल कहलनिअछि।कार्यक्रमममे पूर्व संघीय स्वास्थ राज्यमन्त्री डा.सुरेन्द्र यादव,मुख्य न्यायधिवक्ता दिपेन्द्र झा,जनकपुर उपमहानगरक प्रमुख लालकिशोर साह,बर्दीबास नगरप्रमुख बिदूर कार्की,सोनमा गाउँपालिका प्रमुख राजकुमार यादव लगायत पदाधिकारीलोकनि अपन-अपन धारणा रखने छलथि।
कार्यक्रममे धनुषा आ महोत्तरी जिल्लाक जिल्ला अधिकारीसभ जिल्लाक आगामी अवस्थामे चाल बला कदमसभके बारेमे अपन-अपन जिज्ञासा रखने छलथि।एहिसँ पहिने प्रदेश सरकारद्वारा सरोकारबलासभक संग परामर्श ओ सुझाब लेबाक लेल पर्सा,बाराक पथलैया,रौतहट आ सर्लाहीक हरिवन तथा सप्तरी आ सिरहाक लहानमे छलफल क’ चुकल छथि।