Lumpy skin disease रोकथामक लेल निशुल्क ‘पशु स्वास्थ शिविर’ सम्पन्न

‘एक घर एक पि.सि. आर’ अभियान सम्पन्न भेलाक लगले सहयोद्धा टीम किसानसभक समस्या बुझि पशुमे लागऽ वला भाइरल रोग Lumpy skin disease क रोकथामक लेल निशुल्क “पशु स्वास्थ शिविर” एहि मिति २०७७ ०८ महिना ०४ गतेसँ राजविराज ११ वाड कार्यालयमे सफलता पूर्वक सम्पन्न कएने अछि। शिविरमे लम्पी छाला रोगसँ प्रभावित २३ टा पशुसभक उपचार पशुपन्छी विकास शाखासँ भेटनरी डा. पर्मेश्वर यादवको निरीक्षणमे कएल गेल आ ४७ अटा बकरीसभकेँ चालीक दबाइ सेहो वितरण कएल गेल।
पशुपन्छी विकास शाखा राजविराज नगरपालिकाक सहयोगमे कएल कार्यक्रम स्थानियसभ सामाजिक दूरी कायम कक’ अपन सहभागिता जनेने छल।
“घरपालुवा जानवरकेँ अपनेसन उपचार कराउ ” नाराक संग शुरू कएल कार्यक्रममे सेहो सहयोद्धा सदस्यसभ मास्क लगबैत, सामाजिक दूरी आ अन्य सुरक्षात्मक उपायसभ अपनाकऽ उक्त कार्यक्रममे सक्रिय रहल छल। एहि कार्यक्रमकेँ सफलतापूर्वक सम्पन्न करऽ लेल सहयोग कएनिहार श्सचिन यादव आ सुगम्बर यादवकेँ सहयोद्धा परिवारक दिससँ धन्यवाद व्यक्त कएल गेल से बात संस्थाक सचिव प्रतिष्ठा यादव जनेलथि।
आगूक दिनसभमे समाजमे सभक संग, सहयोग आ सहकार्यक संग आगू बढ़बाक ढृड़ संकल्पक संग सहयोद्धा परिवार लगबाक-भिड़बाक बात संस्थाक अध्यक्ष रविन्द्र यादव कहलथि।