
मधेशी समुदायकेँ सुदृढीकरण आ संस्कृतिककेँ प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसँ मधेशी एशोशिएशन अफ अमेरिका (MAA) तेसर साधरण अधिवेशन May २७-२८ अमेरिकाके पेन्सिलभेनियामे हुअ जा रहल अछि।
फिलाडेल्फियामे रहल ड्रेक्सल विश्वविद्यालयमे हुअवला अधिवेशनमे व्यापार आ उद्यमी फोरम संचालन हएत। एशोशिएशनक अध्यक्ष शतेन्द्र साहक अनुसार ई अधिवेशनसँ नवका नेतृत्त्वक सेहो चयन कएल जएत।
अध्यक्ष साहक अनुसार अधिवेशनमे अमेरिका रहल कुल साँढे दू सयसँ बेसी लोकक सहभागिता रहत। एशोशिएनमे अखनधरि ९ सयसँ बेसी सदस्यसभ रहल अछि।
अधिवशेनमे सदस्यसभ बीच अमेरिका आ बाहरक मधेशी मित्रलोकनि नेटवर्किङ आ सामाजिक एकीकरण,व्यवसाय, शैक्षिक आ कॅरियर जानकारी साझेदारीक अवसर रहत। अहिना लगानीक लेल सामूहिक प्रयास सृजना करबाक दिस सेहो गन्थन-मन्थन हएबाक जनतब भेटल अछि। उद्यमीक लेल प्रेरणा, शैक्षिक र कॅरियर फोरम सेहो संचालन हएत। अमेरिकाक विश्वविद्यालयमे छात्रवृत्ति कोना प्राप्त करब तइ विषयमे सेहो अनुभव बाँटल जएत।
छात्रवृत्ति आ अनुदान आवेदनक विषयमे सेहो चर्चा कएल जएत। स्वास्थ्य आ कल्याणक फोरमसभ सेहो निर्माण हएत।
मानसिक स्वास्थ्य आ कल्याणक बातचित,नेटवर्किङ आ सामाजिक एकीकरणक विषय सेहो अधिवेशनमे उठाएल जएत।
एशोशिएशनक गतिविधिसभ प्रस्तुति सङ्गे कला कार्यशाला आ सांस्कृतिक कार्यक्रम, प्रतिभा शो आ पुरस्कार सेहो अधिवेशनक आकर्षण बढ़ाएत।
कार्यक्रममे सहभागिताक लेल निचा क्लिक कऽ दर्ता करी ⬇️
अधिवेशनक कार्यतालिका एना रहल अछि।
■ श्रोत : रेडियो छिन्नमस्ता सप्तरी, नेपालक पूर्व स्टेशन म्यानेजर, मिथिला-मैथिली अभियन्ता हाल अमेरिका, भर्जिनियामे रहैत आएल MAA के DMV Chapter के सलाहकार शिव प्रताप साह।