Poem

मुसहर समुदायद्वारा मनाओल गेल १३ हम् ‘माटि दिवस’

Ad

‘आपन माटि (माईट) आपन पहिचान, समाजिक परिवर्तन लेल हमर सबहक अभियान’ मुल नाराक सङ्ग सवरी संकल्प समाज आ मुसहर जागरण अभियानक संयुक्त आयोजनामे १३ हम् माटि दिवस भव्यताक सङ्ग इहए माघ १० गते सिरहा, मिर्चैया १० घुर्मीबजारमे सम्पन्न भेल अछि।

सवरी संकल्प समाजक अध्यक्ष अरूण सदाक सभापतित्त्व आ सिरहा जिला प्रमुख अधिकारी लालबाबु कवाड़ीक प्रमुख आतिथ्य रहल विभिन्न ठाम, जिलासँ आएल अतिथिलोकनिक सहभागिता रहल  अइ कार्यक्रमकेँ मुसहर जागरण अभियानक अध्यक्ष रामगेन ऋषि संयोजन आ शिक्षक ब्रह्मदेव सदा संचालन कएने छलनि।

उक्त दिवसमे प्रकाश अनुराग, जागेश ठाकुर, शान्ति सदा, नवीन ऋषिदेव, सुदेशी ऋषिदेव, शिव शरण सदा, रूपेश सदा मनोज सदा आदि कलाकारलोकनिसभक सांस्कृतिक प्रस्तुति रहल छल।

शहीद परिवार लगायत कलाकार आ अतिथिलोकनिकेँ सम्मान-पत्र हस्तांतरण क’ सम्मान कएल छल।

माटि कि छियै ? माटिक सम्बन्ध लोक सङ्ग कोना जुड़ल अछि? से प्रश्नक उत्तर अपनामे ताकि अपन माटि-संस्कृतिकेँ रक्षार्थक उदेश्यक सङ्ग विगत २०६६ सालसँ माघ १० गतेकेँ माटि दिवस रुपमे मनाबैत आबि रहल अछि।

मन्तव्यक क्रममे बाजैत प्रमुख अतिथि CDO कहलनि, ” जाधरि शिक्षामे जोड़ नइ देब परिवर्तन, विकासक चेहरा बदलि नइ सकै छै। तइँ शिक्षामे जोड़ दैत सामाजक आ स्वयंके हितकारी कार्यमे संलग्नता-शक्रियता बढ़ाबी आ असल नागरिकके पहिचान बनेलापर मात्र सामाजिक समान इज्जत पाबि सकैत छी।”

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles