News

रोजगारीके मांग करैत शहिद परिवार मुख्यमन्त्री कार्यालय आगू प्रदर्शन

मधेश प्रदेशके शहीद परिवारके प्रदर्शन

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) , मैथिली सेवा
जनकपुर, ८ अगहन : मधेश आन्दोलनक शहिद परिवारक सदस्यसभ रोजगारीके मांग करैत मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालय आगू प्रदर्शन कएलक अछि । उक्त आन्दोलनमे मधेश प्रदेशसँ ५२ गोटे शहिद भेल छल ।

सात वर्ष पहिने मधेश प्रदेश सरकारके पहिल मन्त्रिपरिषद्के बैसार शहिद परिवारके एक÷एक गोटेकेँ रोजगार देबाक निर्णय कएलोपर हालधैर कार्यान्वयन नइँ भेलासँ शहिद परिवारक सदस्य आन्दोलित भेल छैथ ।

मुख्यमन्त्री कार्यालय आगू कएल प्रदर्शनमे प्रदेशक आठू जिलाक शहिद परिवारक सदस्यसभ सहभागी भेल छल । ओसभ प्रदेश सरकार मांग पूरा कएलाधैर घर नइँ जेबाक चेतावनी देलनि ।

शहिद परिवारक सदस्य रामनरेश राय यादव मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंहकेँ पहिल मन्त्रिपरिषद्के निर्णय कार्यान्वयन करबाक लेल बेरबेर आग्रह कएलोपर बेवास्ता कएलाक बाद आन्दोलन करए मजबुर भेलाैँ उपराग व्यक्त केलैन ।

हुनक अनुसार ५२ शहिद परिवारके एक÷एक सदस्यकेँ रोजगार देबाक सरकारक निर्णय कएल सेहो सात साल बित चुकल मुदा कायान्वयन नइँ भेल अछि । किछ शहिद परिवारकेँ मात्र करारके नोकरी देलक अछि । मुदा हुनकासभकेँ सेहो हटेबाक प्रयास भ रहल ओ बताैलनि ।

यादव कहलनि, “सरकारक निर्णयअनुसार सब शहिद परिवारक एक÷एक सदस्यकेँ स्थायी नोकरीके व्यवस्थापन करबाक मांग हमरासभके अछि ।” मांग  पूरा नइँ कएलाधैर हमसभ फेर सहादत देब यादव चेतावनी सेहो देलनि ।
–––
श्रोत: राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) (मैथिली सेवा)

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles