News

सिरहामे मनाएल गेल माटि (माइट) दिवस

“अपन माटि (माइट) अपन पहिचान, सामाजिक परिवर्तनक लेल हमरा सबहक अभियान” – मूलनाराक सङ्ग सिरहामे काइल माघ १० गते माटि (माइट) दिवस मनाएल गेल अछि ।

Ad

सवरी संकल्प समाज गोलवजार आ मुसहर जागरण अभियान सिरहाक संयुक्त आयोजनामे “बाह्रम् माटि (माईट दिवस) ” सोमदिन गोलबजारमे सम्पन्न भेल अछि ।

बाह्रम माटि दिवसक प्रमुख अतिथि समाजसेवी एवं गैसस महासंघ सिरहाक अध्यक्ष गोविन्दराज बिष्ट मुसहर जागरण अभियान हरेक गामटोलमे पसारऽ पड़बाक आवश्यकता रहल अछि कहलनि। भूमिउपर असली हकदार मुसहरसब रहितो एहि सबकेँ राज्यद्वारा कतियाओल गेल बतेलनि । मुसहर समुदायक उन्नति प्रगति हुअ नइँ सकबाक कारण अत्याधिक मदिरा सेवन रहल अछि बतेलनि । मुसहर बस्तीक गाम-गामधरि शिक्षाक ज्योती जरेलाबाद ई सब अखन भोगैत आएल समस्या अपनेँ समाधान होएत बतेलनि ।

माइट दिवस मनेबाक अभियानक शुरूवातकर्ता बहुप्रतिभाशाली व्यक्तित्व (गायक एवं गीतकार) स्व. गुरुशरण सदाक सपना सकार बनाबऽ सेहो मुसहर समुदायक अगुवासबकेँ अनुरोध कएलनि। 

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply