News

यात्रा मिथिलाक गाम-गाम अभियान किए भ’ रहल छै ?

मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल भाषिक जागरणके लेल यात्रा मिथिलाक गाम-गाम अभियान पछिला महिनासँ सुरु कएलक अछि। काल्हि सप्तरी जिलाके राजगढ़ गाउपालिका, नरघोके विद्यापति चौक लग आयोजन भेल छल। “मैथिलीकेँ जे हाल धरि जिवित राखने छै ओ गामके लोके सब छियै तँ आब मैथिली प्रत्येक गतिविधि गामसँ सुरु हेबाक चाही। तँए गामसँ सुरु कएलियै” संयोजक शम्भु श्री I Love Mithila के जानकारी देलथि।

Ad

कार्यक्रमके अध्यक्षता स्थानिय वुद्धिजिवी अर्जुण प्रसाद यादव , तथा मैथिली साहित्य परिषद् राजविराजक सतिश दत्तके आतिथ्यमे कार्यक्रम भेल रहए। जाहिमे स्थानिय व्यक्तिसभ अगुवा बनिक अभियान कार्यक्रमक लेल संस्थासँ आग्रह कएने छल।

पछिला बेर गणकसभ अनेक तरहक त्रुटि जनगणनामे कएने रहैए। जेना रायकेँ राई आ मिश्रकेँ पहाडी मिश्र आ भाषामे नेपाली लिखिनाइ सँन गलती काम कएने रहैए। एहि बेर एना नइँ होइ ताहि लेल अपनासबकेँ सजग रह’ पड़त ।

भाषा एकेटा होइतो भाषिका अलग अलग रहि सकै छै। भाषिकाके कारण भाषे अलग भेलै एहि औल-झौलमे नइँ पड़बाक छै ” संस्थाके स्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र बतेलथि।
तहिना संस्थाक अध्यक्ष श्रीराम मण्डल ‘भरोसी’ भाषिकेसँ भाषा सम्पन्न होइ छै, जेतेक अलग अगल बोली होइ छै भाषा तेतक धनिक बनै छै। जहिया हम जनकपुरमे पढ़ैत रहियै तँ हमे – होइ हइ, जाइ हबे कहैत रहियै। इहे सप्तरी हमहि जाइ छियै, खाइ चियै बोलै छियै तँए अपनासब अपन धनके चिन्हबाक लेल जरुरी छै।

कोयली आ सुगाके उदाहरण दैत ओहि कार्यक्रममे गजेन्द्र गजुर कहलथि “

सुगाकेँ किए पिजड़ामे कैद करै छै? जखनि सुगा दोसरके बोली रटि लैत छै तखनिये गुलाम बनि जाइ छै , तखनिये पिजड़ामे कैद रहैके योग्य बनी जाइ छै।” तहिसँ सिखलेबात बात बतेलथि।


रमिला साह कहलथि “मैथिली जन जनके भाषा छियै । अपन अधिकारक लेल आबो आगू आबै पड़तै। “
तहिना अशोक कुमार यादव कहलथि” भाषा बारेमे बहुत अज्ञानता छै, कोइ पुछै छै तोहर कोन भाषा छियौ तँ राष्ट्रिय भाषा नेपाली नाम कहै छै, वा जे जानै छै हिन्दी कहै छै । अपन भाषा मतलब जे जानै छियै से नइँ जे अहाँके मातृभाषा छियै माँएसँ जानलियै से छै ।
प्रमुख अतिथि ” सब संस्थाके मिलिके गाम गाम अभियान करबाक चाही। मातृभाषाक संरक्षण लेल जोड़देलथि।
कार्यक्रमके उद्घोषण श्यामप्रित मण्डल कएने छल। एहि तरहेँ राज राय, सरोज बिरपुरिया, चुडामणि यादव लगायत अभियानसभके आ गामबासीके उपस्थितिमे कार्यक्रम सम्पन्न भेल।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles

Leave a Reply