News

सप्तरीक बोदे बरसाईन नगरपालिका निर्माण कएलक मैथिली भाषाक पाठ्यपुस्तक

Ad

१५ वैशाख २०८०, शुक्रदिन 
आइ लभ मिथिला

सप्तरी, सप्तरीक बोदे बइसाईन नगरपालिका स्थानीयस्तरके विषयवस्तुसबकेँ समटिकऽ मैथिली भाषामे पाठ्यपुस्तक निर्माण कएलक अछि । मुदा, शिक्षक निर्देशिका नेपाली भाषामे तैयार कएल गेल अछि ।

नगरपालिका भितरके विभिन्न विषयवस्तु सबकेँ विद्यालयमे अध्यापन करएबाक लेल स्थानीय तह पाठ्यक्रम तैयार ककऽ ओहि अनुसार पाठ्यपुस्तक विद्यालयमे पठनपाठन कराअओल जाएत आ तैयार कएल गेल आधारभूत तहके स्थानीय पाठ्यक्रम स्वीकृतिक क्रममे रहल नगर शिक्षा शाखा अधिकृत  जनतब देलनि अछि। एकीकृत पाठ्यक्रमपर आधारित कक्षा १ सँ ८ धरिक पाठ्यक्रम निर्माण कएल गेल अछि । कक्षा १ सँ ३ धरि एकीकृत ढाँचामे निर्माण कएल गेल पाठ्यपुस्तक शैक्षिक सत्र २०८० मे परीक्षण रुपमे कक्षा १ मे मात्र लागू होएत नगर शिक्षा अधिकृत रामसागर यादव जनतब देलनि।

तैयार कएल गेल पाठ्यक्रममे मैथिली भाषाक अपने तिरुहुता (मिथिलाक्षर) लिपिक विषयवस्तु समेटल गेल छै । पाठ्यक्रममे स्थानीय तहमे रहल सांस्कृतिक पक्ष आ प्रर्याप्त मात्रामे मैथिली शब्दार्थ प्रयोग कएल गेल अछि । स्थानीय आवश्यकता अनुसारक विषयवस्तु भेलासँ विद्यार्थीसबहक लेल रोचक विषय होएत से विश्वास स्थानीय अधिकारी कएने छथि।

नेपालक संविधानकेँ मौलिक हक अनुसार मातृभाषामे शिक्षा प्राप्त करब तेकर व्यवस्था कएल गेल अछि । ओहि अनुरुप नगर भितरमे रहल ३० टा सामुदायिक विद्यालयमे राष्ट्रिय पाठ्यक्रम प्रारुप, २०७६ अनुसार आधारभूत तहकेँ विद्यालयमे मातृभाषामे स्थानीय विषयक पाठ्यक्रम लागू कएल जाएत नगरपालिकाकेँ शिक्षा शाखा अधिकृत जनतब देलनि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - Contact@ilovemithila.com, +9779827625706

Related Articles