ललका पाग
रूप अहाँके नइँ बिसरल हम…करू हमर विश्वास प्रिये जेहन लाेक प्रिय गीत समावेश रहल फिल्म “ललका पाग” आब रिलिज हएत से जानकारी प्राप्त भेल अछि।
ई फिल्म प्रेम कथापर आधारित अछि । ललका पाग , मे फिल्मक मुख्य पात्र ‘राधाकांत’ (नायक) ‘कामाख्या’ (प्रेमिका) ‘तिरू’ (पत्नी) छथि ।
ट्रेलरसँ थाह लागैत अछि.. राधाकांतकेँ अपन प्रेमिकाकेँ छाेड़ि गामक तिरूसँ वियाह करा दैत छथि ।समय बितैत गेलापर राधाकांत प्रेमिका कामाख्यासँ वियाह करबाक लेल अपन सिधा,छल कपट नइँ गामक भाषा बुझैबाली अपन पत्नी तिरूसँ संघर्ष करैत छथि । अपन प्रेमिका सङ्ग राधाकांत समय बेसी बिताबैत छथि ,
एम्हर पत्नीकेँ बहुत माशिंक पिडा हाेइ छै । मुदा ओ माेने मन अपन पतिसँ प्रेम करैत रहै छै। ओहिमे एकटा गीतसँ हुनक वेदना एना देखाइछ …
जखन अपन प्रेमिकासँ राधाकांत वियाह कर लागैछ, राधाकांत अपन पत्नीसँ ओकर वियाहमे प्रयाेग भेल पाग मांगै छथि। हनुक पत्नी संवेदनासँ भरल मुदा हसैत हसैत वियाैहति पाग द’ दैत छथि । सएह अछि ललका पाग…
मैथिली मुर्धन्य साहित्यकार राजकमल चाैधरीक कथापर फिल्म आधारित अछि । आओर फिल्ममे कि कि छै , से बुझय लेल फिल्म देखहि पड़त ।
View : मैथिली गजल नारायण मधुशाला
ई फिल्म युट्युबके प्रिमियम पलेटफार्ममे ७ अगस्त साउन २३ गते शुकरदिन माने १ महिनाबाद रिलिज हएत । कएकटा भारतीय आ अन्तरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवलमे देखाएल ललका पाग पहिल मल्टीप्लेक्समे प्रदर्शित फिल्म छी । निर्माणतासँ बहुत आग्रह Amazon prime मे सेहाे रिलिज करथि किएक त अधिकाशंकेँ युट्युब प्रिमियम फिचर्सके उपलब्धता नइँ छनि । रिलिज हाेएबला चैनल इ अछि ।सस्क्राइब कएल जाए ।
निर्माण – सेक्रेड फिग एन्टरटेनमेंट,रत्नेश एन शाह
लेखक – राजकमल चौधरी
निर्देशक – प्रशांत नागेन्द्र
मुख्य पात्र – राैशन राज, श्वेता वर्मा, मीणा गौतम
गीतकार – कुणाल आ हृदयनारायण झा
संगीत – सीताराम सिंह
स्वर – उदित नारायण आ नंदिता चक्रवर्ती
फिल्म निर्माण – सन् २०१५ ,भारत
भाषा -मैथिली