News

रॉकस्टार प्रवेश मल्लिकके ‘मैथिली गर्ल’ चर्चामे

Ad

मुम्बईमे तैयार भेल ‘मैथिली गर्ल’ इहए जेठ १४ के साँझ ६ बजे UK देशसँ रिलीज भेल अछि।

UK स्थित Mithila Cultural Society द्वारा आयोजित ‘मिथिला-मिलन’ कार्यक्रममे मैथिली गर्लक पहिल बेर मञ्चिय प्रस्तुति देलनि आ बेस्स चर्चा पएलनि एहि गीतक गायक, सङ्गीतकार एवं गीतकार – प्रवेश मल्लिक।

एहि गीतमे गीतकार दुनियाँभरिक यात्रामे विभिन्न क्षेत्र आ संस्कृतिसँ प्रतिनिधित्व करैत कतेको लड़कीकेँ देखैत छथि। भेटैत छथि। जखन विवाहक लेल जीवन-सङ्गीनीपर विचार करबाक बात अबैत अछि त ओ मनमे एकटा विशेष प्राथमिकता विकसित क’ लैत छथि। ओ  मिथिला क्षेत्रक एक लड़कीकेँ तकबाक आश रखैत छथि जे मैथिली भाषा बाजैत हो। मैथिली मात्र भाषा नइ मिथिलाक समृद्ध सांस्कृतिक विरासतके प्रतिबिम्ब सेहो अछि। ओ एक एहन जीवन सङ्गीनीक कल्पना करैत छथि जे मिथिलाक मूल्य-मान्यताकेँ आत्मसात क’ चलए।हरेक डेगपर मैथिल संस्कृतिक सुंदरताकेँ रङ्गमे सामंजस्यपूर्ण आ पूर्ण जीवन बनेबाक लक्ष्य रखै छथि।

प्रयोगधर्मी सङ्गीतज्ञ मल्लिकक ‘मैथिली गर्ल’ सहजे ‘मिथिला, मैथिली आ मैथिल’ पर स-गौरव प्रेम आ सम्मान बढ़बैत अछि। मिथिलाक यंगस्टर्ससभ बेस्स पसन्द क’ रहल अछि ‘मैथिली गर्ल’ केँ। नवरङ्गी अन्दाजमे असली मैथिली सङ्गीतक गमक प्रवाह कर’ मे पारङ्गत छथि मिथिलाक राॅकस्टार – प्रवेश। तइँ  विश्वस्तरपर चर्चाक परचम लहरि जाइत अछि हिनक गीतसभक उदाहरण जेना पछिला चरणके परदेशिया, जुलुम करे ना, जट-जटिन (रिमेक), झिंगुर, माँ, मामा यौ, आदि।

प्रवेश मल्लिक यूट्यूबसँ रिलीज भेल ‘मैथिली गर्ल’ के छायांकन विजयानन्द कुमार आ सम्पादन प्रेम प्रकाश कर्ण कएने छथि। पोस्टर डिजाइन ‘ग्लैमर हॅब’ कएने अछि त मिडिया पार्टनर मुजफ्फरपुर लाइभ, बिगं मैथिल, आइ लभ मिथिला, अपना बिहार आ नवरस मिडिया रहल अछि।

मल्लिक बॅलीउडमे निरन्तर सफलतम डेगसँ अपन करियरक ग्राफ उपर मुहे बढ़ा रहल छथि। जेँ किछु समय बचैत अछि ओ सदैव मैथिली लेल नव नव सोचैत आ  करैत रहै छथि। यूट्यूब आ सामाजिक संजालसभपर काफी सकारात्मक प्रतिक्रियासभसँ चर्चित भ’ रहल अछि ‘मैथिल गर्ल’।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles