सन्तोष सेफपर प्रस्तुत अछि मैथिली कविता…
मुख्य विजेता बनबा जोगर भलहि ने भेटलह ‘भोट’
खुआक’ जगतक मूह मिठौलह मिथिलाकेर अमोट
देखि-सूनिक’ हमरोसभकेँ भेटल हौ ‘सन्तोष’ परम
अपन हुनरसँ देशक नाँ चमकेबासँ बढ़ि कोन धरम!
कहू अहीँसभ संसारहिमे हएत एहनसन वीर के?
मड़ुआ जे कि कुअन्न कहाबै तकरो बनबै खीर जे
अपने ‘बगिया’ लण्डन गमकल नाम नेवारी ‘योमरी’
सगर देशकेँ जोड़ि जगतमे परसैक वर्णन की करी!
काजो ओहने अनमन तोहर दिव्य सुदर्शन रूपसन
बजैत देखलियह माइक छाती होइत छलैए सूपसन
की जँचैत छह मुस्किआइत छवि नेपाली शिरपागमे
जीहक बाटे गेलह तोँ दिलदिल, बैसि गेलह अनुरागमे