FeaturedNews

नवराजपुरमे मैथिली भाषाके पाठ्यपुस्तक लागू

सिरहा, ८ जेठः सिरहाके नवराजपुर गाउँपालिकामे मैथिली भाषाके पाठ्यपुस्तकके कक्षा १सँ कक्षा ३ धरि पठनपाठन कराबए शुरू कएल गेल अछि । गाउँपालिका चालु शैक्षिक सत्रसँ ‘हमर नवराजपुर’  नामक पाठ्यपुस्तक तैयार क २० टा सामुदायिक विद्यायलमे पठनपाठन कराबए शुरू कएलक अछि ।

गाउँपालिकाके अध्यक्ष शिव उदगार यादवके अनुसार एक सओ पूर्णाङ्क तकके स्थानीय भाषामे पाठ्यपुस्तक तैयार क पढ़ेबाक प्रावधानअनुसार पाठ्यपुस्तक तैयार क लागू कएल गेल अछि । अगिला वर्षके शैक्षिक सत्रसँ कक्षा ६ धरि स्थानीय भाषाके पाठ्यक्रम तैयार क कार्यान्वयन कएल जेबाक ओ जानकारी देलनि अछि ।

अध्यक्ष यादव कहलथि, “एखन कक्षा १ सँ ३ धरि मैथिली पाठ्यपुस्तक लागू कएने छी । संविधान अनुसार मौलिक भाषा, कला आ संस्कृतिके संरक्षण आ सम्वर्द्धन करबाक दायित्व स्थानीय तहके भेलासँ ताहिअनरुप काज कएल गेल अछि । अगिला शैक्षिकसत्र २०८३मे कक्षा ६मे सेहो मातृभाषामे पठनपाठन करेबाक योजना अनुरुप पाठ्यपुस्तक छपेबाक तैयारी कएल गेल अछि ।”

पाठ्यपुस्तकमे नवराजपुर गाउँपालिकाके भूगोल, संस्कृति, परम्परा, जनजीवन, प्रकृतिक सम्पदा, पर्यटन, कृषि, पशुपालन, स्थानीय घरायसी प्रविधिसहित विषयवस्तु समावेश कएल गेल अध्यक्ष यादव जानकारी देलनि अछि । पछिला समय बालबालिकाकेँ शहरबजार पढ़ेबाक प्रचलन बढ़लाक बाद मैथिली भाषा आ संस्कृतिपर सङ्कट होबाक सम्भावना भेलासँ तकरा संरक्षणके लेल अपन माइटसँ जुड़ल पाठ्यपुस्तक बना क विद्यालयमे पढ़ेबाक काम भ रहल हुनकर कहब छनि ।

अङ्ग्रेजी भाषाके मोहके कारण मातृभाषा भाषा सङ्कटमे रहल अवस्थामे गाउँपालिका मातृभाषामे पाठ्यक्रम निर्माण क पठनपाठन शुरू कराएब प्रशंसनीय रहल मैथिली साहित्य परिषद् सिरहाक संयोजक रामरिझन यादव बतौलनि । अन्य स्थानीय तह सेहो अपन भाषा, कला, संस्कृतिके संरक्षण आ सम्वर्द्धनमे एहिना कार्यकेँ प्राथमिकता देबाक चाही ओ कहलनि ।

रासस मैथिली सेवा

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles