News

मिथिलाक सङ्ग्रहालय भवनक निर्माण अन्तिम चरणमे

आइ लभ मिथिला
जनकपुरधाम।

Ad

जनकपुरधाममे मैथिली भाषा, साहित्य तथा संस्कृतिक उत्थानमे क्रियाशील रहल मैथिली विकास कोषक सुविधा सम्पन्न एवं आकर्षक सङ्ग्रहालय सहित भवन निर्माणक काज अन्तिम चरणमे पहुँचल अछि।

जनकपुरधामक वाड नंं ८ ज्ञानकूप संस्कृत नमूना माध्यमिक विद्यालयक ठीक आगा तथा बहुचर्चित धार्मिकस्थलक रुपमे रहल विहारकुण्डक पश्चिममे कोषक आकर्षक भवनक निर्माण अन्तिम चरणमे आएल कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी जानकारी देलनि।

मधेश प्रदेश सरकारद्वारा ७ करोडक लगानीमे निर्माण भेल चारि तल्लाक आकर्षक भवनमे मिथिला क्षेत्रक संस्कृति झल्काब’वला सङ्ग्रहालय, ३ सय गोटे अटैवला सभा-हल तथा नाटक घर, पुस्तकालय, अडियो भिडियो निर्माण कर’वला स्टुडियो, छोट-छोटसन सभा हल सहितक अनेकन पूर्वाधार भवनमे खडा़ करबाक कोषक लक्ष्य रहल अछि।

भवनक निर्माण अन्तिम चरणमे पहुँचल आ साओन भितरमे रङ्गरोगन, ढोका तथा धारा एवं शौचालयसभक काज सम्पन्न कएल जएबाक लेल कामदारसभ परिचालन कएल गेल अछि। जनकपुरधामक ऐतिहासिक महत्त्वक सीताकुण्डक जमीन लिज पर लएकऽ निर्माण भेल मिथिला संस्कृति भवन पूर्ण रुपेँ भूकम्प प्रतिरोधी बनाओल गेल अछि।

मिथिलाक सांस्कृतिक संरक्षण तथा प्रवर्धनक लेल अइ भवनक निर्माणसँ मदति भेटत से विश्वास कोषक रहल अछि। चारूभरसँ आकर्षक देवाल सहित मिथिलाक सङ्ग्रहालयक निर्माण भेला पछाति पर्यटकसभक लेल सेहो आकर्षण केन्द्र बनत से विश्वास कोषक अध्यक्ष चौधरीक कहब रहल छनि।

मधेश प्रदेशक राजधानी तथा तत्कालीन मिथिलाक राजधानी समेत रहल जनकपुरधाममे मिथिलाक संस्कृतिक सङ्ग्रहालयक अभाव रहल समयमे जनकपुरधाममे सुविधासभसँ सम्पन्न सङ्ग्रहालय बहुउद्देश्यीय भवनक निर्माण अन्तिम चरणमे पहुँचलासँ स्थानीयवासीसभ खुशी भेल छथि। भवनक निर्माण निर्धारित समयमे सम्पन्न भऽ रहल अछि से जनतब भेटल अछि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - Contact@ilovemithila.com, +9779827625706

Related Articles