‘मैथिली आ लिम्बू भाषाकेँ कामकाजके भाषा बनेबाक विषयमे सरकार गम्भीर छै’

मोरङ, १८ फागुनः कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मतकुमार कार्की प्रदेशमे मैथिली आ लिम्बू भाषाकेँ प्रदेश सरकारक कामकाजके भाषा बनेबाक विषयमे सरकार गम्भीर रहल बताैलनि अछि ।
सार्वजनिक सेवा प्रसारण सेवा नेपाल, रेडियो नेपालद्वारा आइ विराटनगरमे आयोजित ‘नेपालके समावेशी आवाज रेडियो नेपाल, राष्ट्र भाषाके समाचार तथा कार्यक्रम प्रसारण सवाल आ भूमिका विषयक कार्यक्रममे ओ एना बताैलनि अछि । मुख्यमन्त्री कार्की भाषाके प्रयोगक सम्बन्धमे आवश्यक बातचित, कानुन निर्माण, लिपि खोजबिन, विकाश आ प्रवर्द्धनदिस सरकार प्रतिबद्ध रहल उल्लेख कएलनि ।
सब जातजातिके धर्म, संस्कृति, भाषा संरक्षण क राष्ट्रिय एकता कायम करबाकमे जोड़ दैत ओ कक्षा नौसँ १२ धैरके विद्यार् अछिेँ नैतिक शिक्षा, अनुशासन आ दुव्र्यसन न्यूनीकरणके लेल रेडियोमे समावेश करबाक सुझाव देलनि ।
प्रदेशक आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री रेवतीरमण भण्डारी विपद्के समयमे सरकारी सञ्चारमाध्यम समाजकेँ सुसूचित करए महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएल कहैत प्रशंसा कएलनि । सार्वजनिक सेवा प्रसारण नेपालक अध्यक्ष डा महेन्द्र विष्ट देशमे रहल विभिन्न जातजातिके भाषा संरक्षणमे रेडियो महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह क रहल बताैलनि ।
कार्यक्रम संयोजक तारा प्रसाद वस्ती आ तारणीप्रसाद कोइराला स्मृति सञ्चारगृह विराटनगरक निर्देशक पुष्करराज गौतम सञ्चारगृहद्वारा कएल गेल काजसभके विषयमे जानकारी कराैने छलथि । अन्तरक्रियामे प्रदीप भगत, चन्द्र राजवंशी, सूर्यनारायण मुडियारी, उपप्राध्यापक महाप्रसाद खतिवाड रेडियो नेपाल विभिन्न भाषामे प्रसारण करएबला समाचारके सम्बन्धमे जिज्ञासा व्यक्त कएने छल ।
—
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)