मैथिलीमे भाषा सम्पादन पाठ्यक्रम

मैथिलीमे भाषा सम्पादन पाठ्यक्रम

नीचाँक सूचीमे देल विकल्पमेसँ लैंगुएज एडीटरद्वारा कोन रूप चुनल जेबाक चाही:

बोल्ड कएल रूपकेँ मान्य:

क्रियापदके प्रयोग :

अइछ, ऐछ, एछ, अछि > अछि (उच्चारण : ऐछ [Aech])

छइथ, छैथ, छथी, छथि > छथि  (उच्चारण : छइथ [Chaeth])

नहि, नही, नञि, नै, नइँ, नइ, नय > नइँ

छैक, छै, छइ > छै

करैत, करइत, करति, करै > करैत

छलैक, छलइक, छल, छेल, छलै, छलइ > छल, छलै

कारक विभक्तिके प्रयोग :

अहाँके, आहा के, अहाँ केर , अहाँ के > अहाँके
घरमे, घर मे घरमे

विविध :

१.होयबला/ होबयबला/ होमयबला/ हेब’बला, हेम’बला/ होयबाक/होबएबला /होएबाक = होएबाक, हेबाक

२. आ’/आऽ >

३. क’ लेने/कऽ लेने/कए लेने/कय लेने/ल’/लऽ/लय/लए = कए लेने, कऽ लेने

४. भ’ गेल/भऽ गेल/भय गेल/भए  गेल = भऽ गेल

५. कर’ गेलाह/करऽ  गेलह/करए गेलाह/करय गेलाह = करऽ  गेलह/करए गेलाह/

६. लिअ/दिअ लिय’,दिय’,लिअ’,दिय’/ =

७. कर’ बला/करऽ बला/ करय बला करैबला/क’र’ बला /करैवाली

८. बला वला (पुरूष), वाली (स्‍त्री)

९.आङ्ल आंग्ल

१०. प्रायः प्रायह

११. दुःख दुख १

२. चलि गेल चल गेल/चैल गेल

१३. देलखिन्ह देलकिन्ह, देलखिन

१४.देखलन्हि देखलनि/ देखलैन्ह

१५. छथिन्ह/ छलन्हि छथिन/ छलैन/ छलनि

१६. चलैत/दैत चलति/दैति

१७. एखनो अखनो

१८. बढ़नि‍ बढ़इन बढ़न्हि

१९. ओ’/ओऽ(सर्वनाम) 

२० . ओ (संयोजक) ओ’/ओऽ

२१. फाँगि/फाङ्गि फाइंग/फाइङ

२२. जे जे’/जेऽ २३. ना-नुकुर ना-नुकर

२४. केलन्हि/केलनि‍/कयलन्हि

२५. तखनतँ/ तखन तँ

२६. जा रहल/जाय रहल/जाए रहल

२७. निकलय/निकलए लागल/ लगल बहराय/ बहराए लागल/ 

२८. ओतय/ जतय जत’/ ओत’/ जतए/ ओतए

२९. की फूरल जे कि फूरल जे

३०. जे जे’/जेऽ

३१. यादि(मोन पारब) कूइद/याइद/कूद/याद/ यादि (मोन)

३२. इहो/ ओहो

३३. हँसए/ हँसय हँसऽ

३४. नौ आकि दस/नौ किंवा दस/ नौ वा दस

३५. सासु-ससुर सास-ससुर

३६. छह/ सात छ/छः/सात

३७. की  की’/ कीऽ (दीर्घीकारान्तमे ऽ वर्जित)

३८. जबाब जवाब

३९. करएताह/ करेताह करयताह

४०. दलान दिशि दलान दिश/दलान दिस

४१ . गेलाह गएलाह/गयलाह

४२. किछु आर/ किछु और/ किछ आर

४३. जाइ छल/ जाइत छल जाति छल/जैत छल

४४. पहुँचि/ भेट जाइत छल/ भेट जाइ छलए पहुँच/ भेटि‍ जाइत छल

४५. जबान (युवा)/ जवान(फौजी)

४६. लय/ लए क’/ कऽ/ लए कए / लऽ कऽलऽ कए

४७. ल’/लऽ कय/ कए

४८. एखन / एखने / अखन / अखने

४९.अहींकेँ अहीँकेँ

५०. गहींर गहीँर

५१.धार पार केनाइ धार पार केनाय/केनाए

५२. जेकाँ जेँकाँ/ जकाँ

५३. तहिना तेहिना

५४. एकर अकर

५५. बहिनउ बहनोइ

५६. बहिन बहिनि

५७. बहिन-बहिनोइ

बहिन-बहनउ

५८. नहि/नै, नइ, नइँ

५९. करबा / करबाय/ करबाए

६०. तँ/ त ऽ तय/तए

६१. भैयारी मे छोट-भाए/भै/, जेठ-भाय/भाइ,

६२. गि‍नतीमे दू भाइ/भाए/भाँइ

६३. ई पोथी दू भाइक/ भाँइ/ भाए/ लेल। यावत जावत

६४. माय मै / माए मुदा माइक ममता

६५. देन्हिदइन दनि‍/ दएन्हि/ दयन्हि दन्हि/ दैन्हि

६६. द’/ दऽदए

६७.  (संयोजक) ओऽ (सर्वनाम)

६८. तका कए तकाय तकाए

६९. पैरे (on foot) पएरे  कएक/ कैक

७०.ताहुमे/ ताहूमे

 ७१. पुत्रीक

७२.बजा कय/ कए / कऽ

७३. बननाय/बननाइ

७४. कोला

७५.दिनुका दिनका

७६.ततहिसँ

७७. गरबओलन्हि/ गरबौलनि‍/

  गरबेलन्हि/ गरबेलनि‍

७८. बालु बालू

७९. चेन्ह, चिन्ह(अशुद्ध)

८०. जे जे’

८१. से/ के से’/के’

८२. एखुनका अखनुका

८३. भुमिहार भूमिहार

८४. सुग्गर/ सुगरक/ सूगर

८५. झठहाक झटहा

८६. छूबि

८७. करइयो/ओ करैयो ने देलक /करियौ-करइयौ

८८. पुबारि पुबाइ

८९. झगड़ा-झाँटी, झगड़ा-झाँटि

९. पएरे-पएरे पैरे-पैरे

९१. खेलएबाक

९२. खेलेबाक

९३. लगा

९४. होए- हो – होअए

९५. बुझल बूझल

९६. बूझल (संबोधन अर्थमे)

९७. यैह यएह / इएह/ सैह/ सएह

९८. तातिल

९९. अयनाय- अयनाइ/ अएनाइ/ एनाइ

१००. निन्न- निन्द

१०१. बिनु बिन

१०२. जाए जाइ

१०३. जाइ (in different sense)-last word of sentence

१०४. छत पर आबि जाइ

१०५.ने

१०६. खेलाए (play) –खेलाइ

१०७. शिकाइत– शिकायत

१०८. ढप- ढ़प

१०९. पढ़- पढ

११०कनिए/ कनिये कनिञे

१११. राकस– राकश

११२. होए/ होय होइ

११३. अउरदा- औरदा

११४. बुझेलन्हि (different meaning- got understand)

११५. बुझएलन्हि/बुझेलनि‍/ बुझयलन्हि (understood himself)

११६. चलि- चल/ चलि‍ गेल

११७. खधाइ– खधाय

११८. मोन पाड़लखिन्ह/ मोन पाड़लखि‍न/ मोन पारलखिन्ह

११९. कैक- कएक- कइएक

१२०. लग ल’ग 

१२१. जरेनाइ

१२२. जरौनाइ जरओनाइ- जरएनाइ/जरेनाइ

१२३. होइत

१२४. गरबेलन्हि/ गरबेलनि‍ गरबौलन्हि/ गरबौलनि‍

१२५. चिखैत- (to test)चिखइत

१२६. करइयो (willing to do) करैयो

१२७. जेकरा- जकरा

१२८. तकरा– तेकरा

१२९.बिदेसर स्थानेमे/ बिदेसरे स्थानमे

१३०. करबयलहुँ/ करबएलहुँ/ करबेलहुँ करबेलौं

१३१. हारिक (उच्चारण हाइरक)

१३२. ओजन वजन आफसोच/ अफसोस कागत/ कागच/ कागज

१३३. आधे भागआध-भागे

१३४. पिचा / पिचाय/पिचाए

१३५. नञ/ ने

१३६. बच्चा नञ

(ने) पिचा जाय

१३७. तखन ने (नञ) कहैत अछि। कहै/ सुनै/ देखै छल मुदा कहैत-कहैत/ सुनैत-सुनैत/ देखैत-देखैत

१३८.कतेक गोटे/ कताक गोटे

१३९. कमाइ-धमाइ/ कमाई- धमाई

१४०. लग ल’ग

१४१. खेलाइ (for playing)

१४२. छथिन्ह/ छथिन

१४३.होइत होइ

१४४. क्यो कियो / केओ

१४५. केश (hair)

१४६.केस (court-case)

१४७. बननाइ/ बननाय/ बननाए

१४८. जरेनाइ

१४९. कुरसी कुर्सी

१५०. चरचा चर्चा

१५१. कर्म करम

१५२. डुबाबएडुबाबै/ डुमाबै डुमाबय/ डुमाबए

१५३. एखुनका/अखुनका

१५४. लए/ लिअए (वाक्यक अंतिम शब्द)- लऽ

१५५. कएलक/ केलक

५६. गरमी गर्मी

१५७. वरदी वर्दी

१५८. सुना गेलाह सुना’/सुनाऽ

१५९. एनाइ-गेनाइ

१६०.तेना ने घेरलन्हि/ तेना ने घेरलनि‍

१६१. नञि / नै

१६२.डरो ड’रो

१६३. कतहु/ कतौ कहीं

१६४. उमरिगर-उमेरगर उमरगर

१६५. भरिगर

१६६. धोल/धोअल धोएल

१६७. गप/गप्प

१६८.के के’

१६९. दरबज्जा/ दरबजा

१७०. ठाम

१७१.धरि तक

१७२.घूरि लौटि

१७३. थोरबेक

१७४. बड्ड

१७५. तोँतू

१७६. तोँहि( पद्यमे ग्राह्य)

१७७. तोँही / तोँहि

१७८.करबाइए करबाइये

१७९. एकेटा

१८०. करितथि /करतथि

 १८१.पहुँचि/ पहुँच

१८२. राखलन्हि रखलन्हि/ रखलनि‍

१८३.लगलन्हि/ लगलनि‍ लागलन्हि

१८४.सुनि (उच्चारण सुइन)

१८५. अछि (उच्चारण अइछ)

१८६. एलथि गेलथि

१८७. बितओने/ बि‍तौने/बितेने

१८८. करबओलन्हि/ करबौलनि‍/करेलखिन्ह/ करेलखि‍न

१८९. करएलन्हि/ करेलनि‍

१९०.आकि/ कि

१९१. पहुँचि/पहुँच

१९२. बत्ती जराय/ जराए जरा (आगि लगा)

१९३.से से’

१९४.हाँ मे हाँ (हाँमे हाँ विभक्त्तिमे हटा कए)

१९५. फेल फैल

१९६. फइल(spacious) फैल

१९७. होयतन्हि/ होएतन्हि/ होएतनि‍/हेतनि‍/ हेतन्हि

१९८. हाथ मटिआएब/ हाथ मटियाबय/हाथ मटियाएब

१९९. फेका फेंका

२००. देखाए देखा

२०१. देखाबए

२०२. सत्तरि सत्तर

२०३.साहेब साहब

२०४.गेलैन्ह/ गेलन्हि/ गेलनि‍

२०५. हेबाकहोएबाक

२०६.केलो/ कएलहुँ/केलौं/ केलुँ

२०७. किछु न किछु/किछु ने किछु

२०८.घुमेलहुँ/ घुमओलहुँ/ घुमेलौं

२०९. एलाक/ अएलाक

२१०. अः/ अह

२११.लय/

लए (अर्थ-परिवर्त्तन) २१२.कनीक/ कनेक

२१३.सबहक/ सभक

२१४.मिलाऽ/ मिला

२१५.कऽ/ 

२१६.जाऽ/जा

२१७.आऽ/ 

२१८.भऽ /भ’ (’ फॉन्टक कमीक द्योतक)

२१९.निअम/ नियम

२२०.हेक्टेअर/ हेक्टेयर

२२१.पहिल अक्षर ढ/ बादक/ बीचक ढ़

२२२.तहिं/तहिँ/ तञि/ तैं

२२३.कहिं/ कहीं

२२४.तँइ/तैं / तइँ

२२५.नँइ/ नइँ/  नञि/ नहि/नै

२२६.है/ हए / एलीहेँ/

२२७.छञि/ छै/ छैक /छइ

२२८.दृष्टिएँ/ दृष्टियेँ

२२९. (come)/ आऽ(conjunction)

२३०.आ (conjunction)/ आऽ(come)

२३१.कुनो/ कोनो, कोना/केना

२३२.गेलैन्ह-गेलन्हि-गेलनि‍

२३३.हेबाक– होएबाक

२३४.केलौँ- कएलौँ-कएलहुँ/केलौं

२३५.किछु न किछ- किछु ने किछु

२३६.केहेन- केहन

२३७.आऽ (come)- (conjunction-and)/आ। आब’-आब’ /आबह-आबह

२३८. हएत-हैत

२३९.घुमेलहुँ-घुमएलहुँ- घुमेलाें

२४०.एलाक– अएलाक

२४१.होनि- होइन/ होन्हि/

२४२.ओ-राम ओ श्यामक बीच(conjunction), ओऽ कहलक (he said)/

२४३.की हए/ कोसी अएली हए/ की है। की हइ

२४४.दृष्टिएँ/ दृष्टियेँ

२४५.शामिल/ सामेल

२४६.तैँ / तँए/ तञि/ तहिं

२४७.जौं

/ ज्योँ/ जँ/

२४८.सभ/ सब

२४९.सभक/ सबहक

२५०.कहिं/ कहीं

२५१.कुनो/ कोनो/ कोनहुँ/

२५२.फारकती भऽ गेलभए गेल/ भय गेल

२५३.कोना/ केना/ कन्‍ना/कना

२५४.अः/ अह

२५५.जनै/ जनञ

२५६.गेलनि‍/

गेलाह (अर्थ परिवर्तन)

२५७.केलन्हि/ कएलन्हि/ केलनि‍/

२५८.लय/ लए/ लएह (अर्थ परिवर्तन)

२५९.कनीककनेक/कनी-मनी

२६०.पठेलन्हि‍ पठेलनि‍/ पठेलइन/ पपठओलन्हि/ पठबौलनि‍/

२६१.निअम/ नियम

२६२.हेक्टेअर/ हेक्टेयर

२६३.पहिल अक्षर रहने ढ/ बीचमे रहने ढ़

२६४.आकारान्तमे बिकारीक प्रयोग उचित नै/ अपोस्ट्रोफीक प्रयोग फान्टक तकनीकी न्यूनताक परिचायक ओकर बदला अवग्रह (बिकारी) क प्रयोग उचित

२६५.केर (पद्यमे ग्राह्य) / / कऽ/ के

२६६.छैन्हि, छन्हि, छनि,

२६७.लगैए/ लगैये

२६८.होएत/ हएत

२६९.जाएत/ जएत/

२७०.आएत/ अएत/ आओत

२७१.खाएत/ खएत/ खैत

२७२.पिअएबाक/ पिएबाक/पि‍येबाक

२७३.शुरुशुरुह

२७४.शुरुहेशुरुए

२७५.अएताह/अओताह/ एताह/ औताह

२७६.जाहि/ जाइ/ जइजै/

२७७.जाइत/ जैतए/ जइतए

२७८.आएल/ अएल

२७९.कैक/ कएक

२८०.आयल/ अएल/ आएल

२८१. जाए/ जअए/ जए (लालति‍ जाए लगलीह।)

२८२. नुकएल/ नुकाएल

२८३. कठुआएल/ कठुअएल

२८४. ताहि/ तै/ तइ

२८५. गायब/ गाएब/ गएब

२८६. सकैसकए/ सकय

२८७.सेरा/सरासराए (भात सरा गेल)

२८८.कहैत रही/देखैत रही/ कहैत छलौं/ कहै छलौं- अहिना चलैत/ पढ़ैत

(पढ़ै-पढ़ैत अर्थ कखनो काल परिवर्तित) – आर बुझै/ बुझैत (बुझै/ बुझै छी, मुदा बुझैत-बुझैत)/ सकैत/ सकै। करैत/ करै। दै/ दैत। छैक/ छै। बचलै/ बचलैक। रखबा/ रखबाक । बिनु/ बिन। रातिक/ रातुक बुझै आ बुझैत केर अपन-अपन जगहपर प्रयोग समीचीन अछि‍। बुझैत-बुझैत आब बुझलि‍ऐ। हमहूँ बुझै छी।

२८९. दुआरेद्वारे

२९०.भेटि/ भेट/ भेँट

२९१.खन/ खीन/  खुना (भोर खन/ भोर खीन)

२९२.तक/ धरि

२९३.गऽगै (meaning different-जनबै गऽ)

२९४.सऽ/ सँ (मुदा दऽ, लऽ)

२९५.त्त्व,(तीन अक्षरक मेल बदला पुनरुक्तिक एक आ एकटा दोसरक उपयोग) आदिक बदला त्व आदि। महत्त्व/ महत्वकर्ता/ कर्त्ता आदिमे त्त संयुक्तक कोनो आवश्यकता मैथिलीमे नै अछि। वक्तव्य

२९६.बेसी/ बेशी

२९७.बाला/वाला बला/ वला (रहैबला)

२९८.वाली/ (बदलैवाली)

२९९.वार्त्ता/ वार्ता

३००. अन्तर्राष्ट्रिय/ अन्तर्राष्ट्रीय

३०१. लेमएलेबए

३०२.लमछुरकानमछुरका

३०२.लागैलगै (

भेटैत/ भेटै)

३०३.लागललगल

३०४.हबा/ हवा

३०५.राखलकरखलक

३०६. (come)/  (and)

३०७. पश्चाताप/ पश्चात्ताप

३०८. ऽ केर व्यवहार शब्दक अन्तमे मात्र, यथासंभव बीचमे नै।

३०९.कहैतकहै

३१०.रहए (छल)/ रहै (छलै) (meaning different)

३११.तागतिताकति

३१२.खराप/ खराब

३१३.बोइन/ बोनि/ बोइनि

३१४.जाठि/ जाइठ

३१५.कागज/ कागच/ कागत

३१६.गिरै (meaning different- swallow)/ गिरए (खसए)

३१७.राष्ट्रिय/ राष्ट्रीय